• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पटना सन बनउ आनो शहर : नीतीश

October 28, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे अगिला तीन चारि साल मे पटना क भांति भागलपुर, गया, मुजफ्फरपुर आ दरभंगा सेहो एकटा पैघ आ विकसित शहर बना देल जाएत। ओ शहरी विकास क 10टा योजना क शुभारम्भ केलाक बाद अधिकारी कए संबोधित करि रहल छलाह। एहि योजना पर 617.38 करोड़ व्यय होएत। ओ अधिकारी स आग्रह केला जे तीन-चारि वर्ष मे एहि शहर सबहक क सूरत एहन बदलि देल जाए जे लोक अपन शहर कए विकसित कहि सकथि। सड़क क मामला मे एहन देखा रहल अछि। ओ कहला जे एहन योजना तैयार करू जाहि स 3-4 साल मे नव इलाका ठीक स बनए। एहि पर एखने स अमल शुरू हेबाक चाही। शहरक फैलाव क संबंध में एहि वर्ष क अंत तक कानून बनि जेबाक चाही आ नीति निर्धारित भ जेबाक चाही, ताकि एकरा अगिला साल स लागू करि देल जाए। ओ कहला जे आब प्रशासन मे जड़ता टूटबाक चाही। शहर क विकास क कार्य प्रारम्भ भ गेल त रुकबाक नहि चाही। मुख्यमंत्री क अनुसार एखन हर साधन सम्पन्न व्यक्ति क चाहत अछि जे पटना शहर मे हुनकर एकटा घर हुए। एकरा लेल ओ पैघ दाम चुका कए फ्लैट बुक करा रहल छथि। मुख्यमंत्री क अनुसार शहरक विकास क मतलब केवल आवासीय सुविधा उपलब्ध करायब नहि हेबाक चाही, बल्कि शिक्षा ,व्यवसाय, उद्योग , चिकित्सा सुविधा ,पार्क सहित सबटा गतिविधि कए गति भेटबाक चाही। ओ कहलथि जे एहि मामला मे बिहार कए उत्तरप्रदेश स सीखबाक चाही। ओहि ठाम क लोक मात्र लखनऊ नहि दौडैत छथि, बल्कि अन्य शहर मे सेहो रहबाक नीक व्‍यवस्‍था अछि। शहरी विकास क योजना कए बिहार राज्य शहरी आधारभूत संरचना विकास निगम लिमिटेड (बुडको) क माध्यम पूर्ण कैल जाएत। राज्य मे पहिल बेर नगर विकास विभाग क योजना कए लागू करबा लेल निगम क गठन भेल अछि। समारोह क मुख्य अतिथि उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे लोक कए भ्रम होएत जे इ व्यवस्था केन्द्र क अछि। ओ स्पष्ट केलाह जे विभिन्न योजना मे केन्द्र क अंशदान 50 प्रतिशत , 70 प्रतिशत आ कोनो मे 80 प्रतिशत अछि। योजना सब मे एकटा हिस्‍सा राज्य सरकारक सेहो होइत अछि।

Tags: Bihardarbhanganitish

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

गंगा मे डुबकी ल भेल महापर्व क शुरुआत

हमर फैसला ककरो गला स नीचा नहि उतरि रहल छल : अरुणा

Esamaad Epaper Website

चीन स जुडत भारत, बिहार बनत प्रवेश द्वार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि