• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

पटना साहिब स पटना हाट क बीच बनत फोरलेन!

January 13, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। आर ब्लॉक स दीघा घाट तक बिछल रेल ट्रैक पर रोड बनेबाक योजना कए मंजूरी भेटलाक बाद बिहार सरकार पटना साहिब स पटना हाट क बीच सेहो रेल पटरीक जगह पर फोर लेन बनेबाक योजना तैयार केलक अछि। एहि इलाका मे जाम क समस्या कए देखैत राज्य सरकार रेलवे स इ लाइन मंगवा लेल कार्रवाई शुरू करि देलक अछि।
पथ निर्माण मंत्री नंद किशोर यादव कहला अछि जे ओना त एहि ट्रैक क आसपास कम आबादी अछि। बावजूद अगर रेलवे पटना साहिब स पटना हाट क बीच बिछल रेल ट्रैक कए सड़क बनेबा लेल दैत अछि त ओहि पर फोरलेन सडक बनि सकैत अछि। एहि काज मे रेल प्रशासन स सेहो सहायता लेल जा रहल अछि।
एहि संबंध मे पूमरे क एकटा वरीय अधिकारी कहला जे पटना साहिब स पटना हाट क बीच 2.9 किलोमीटर क दूरी मे रेल ट्रैक बिछल अछि। आर ब्लॉक स दीघा घाट क बीच बिछल नौ किलोमीटर लंबा रेल ट्रैक राज्य सरकार कए देलाक बाद आब पटना साहिब स पटना हाट क बीच क रेल ट्रैक अनुपयोगी भ चुकल अछि। एहन मे रेलवे एकर बेहतर उपयोग करबा लेल विचार करि रहल अछि। पटना हाट मे रेलवे क कई एकड़ जमीन खाली पड़ल अछि। एहि खाली पड़ल जमीन पर स्थानीय लोक सब कब्जा रखने अछि। रेलवे एहि खाली पड़ल जमीन मे रेलकर्मी क लेल आवासीय कॉलोनी बनेबाक विचार करि रहल अछि। अगर एहन मे रेल ट्रैक क स्थान पर सड़क बनि गेल, त रेलकर्मी कए उपयोग करबा मे सुविधा होएत।
दोसर दिस आम लोक कए सेहो आवागमन क सुविधा भ जाएत। पटना सिटी क एहि इलाका मे जाम क समस्या सबस गंभीर अछि। खासकए मालसलामी या माफगंज मंडी जेबा मे। वर्तमान क रेल ट्रैक पर रोड बनला स पटना साहिब स मालसलामी, दीदारगंज आओर मंडी क लेल सीधी सड़क भ जाएत।
उल्लेखनीय अछि जे पटना हाट स दीघा घाट क बीच तत्कालीन रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव 2004 मे पैसेंजर ट्रेन क परिचालन शुरू केने छलाह, मुदा रेलवे क लेल इ पैसेंजर ट्रेन सफेद हाथी साबित भेल। एहि क्रम मे नीतीश कुमार आर ब्लॉक स दीघा क बीच बिछल रेल ट्रैक पर सड़क बनेबा लेल रेलवे स जमीन मंगलाह। मुख्यमंत्री क प्रस्ताव पर रेलवे अपन हामी भरि देलक। एकर बाद एहि रूट पर रेलवे क कोनो गाडी नहि चली रहल अछि।

Tags: Biharrailroad
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहारक बदलैत चेहरा - पूरा भ रहल अछि पैघ परियोजना

.

Esamaad Epaper Website

गांगेय डाल्फिन देख झूमि उठला विश्व बैंक क अध्यक्ष बी जोएलिक

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि