• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पत्रकार दुर्व्यवहार मामला क जांच होएत

February 5, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा। दरभंगा मे 26 जनवरी कए एकटा पत्रकार संग भेल दुर्व्यवहार क मामला गर्म भ गेल अछि। एहि पूरा मामला मे उठि रहल तरह-तरह क गप कए दैखेत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि पूरा मामलाक जांच नगर निगम क आयुक्त कए सौंपलाह अछि। एकर जानकारी दरभंगा जिलाधिकारी देलथि अछि।
घटनाक बारे मे बताउल जा रहल अछि जे एहि बेर गणतंत्र दिवस क जिलास्तरीय कार्यक्रम मे पत्रकार लोकनिक बैसबाक स्थान बदलि गेल छल। लगभग सबटा पत्रकार नव स्थान पर बैसल छलाह, मुदा दू गोट पत्रकार मंच क समीप पुरान स्थान पर ठार छलाह। दरभंगा क एसडीओ संजय कुमार सिंह पहिने त हुनका नव स्थान पर जेबा लेल कहलथि, मुदा दूनू पत्रकार ओहि ठाम ठार रहबाक जिद केलथि आ कहलथि जे ओहि ठाम स कवरेज नहि भ सकैत अछि। एकर बाद एसडीओ क कहब छल जे कवरेज करबाक अछि त ओहि ठाम जाउ नहि त अहां सब बाहर जा सकैत छी, मुदा हम एहि ठाम ठार नहि हुए देब। एसडीओक इ कहला पर दूनू पत्रकार तमसा गेला। एतबा मे पत्रकार स विधान पार्षद बनल विनोद कुमार चौधरीक ध्यान एहि दिस गेल आ ओ बीच बचाव मे एलाह। ओ एसडीओ कए कहला जे इ सब पत्रकार छथि, जाहि ठाम ठार हुए चाहैत छथि ठार रहय दियौन। मुदा मामला लगकि गेल छल। मामला एतबा शीघ्र भडकल जे दूगोट पत्रकारक अलावा एसडीओ की कहला से केवल विनोद चौधरी सुनलाह। एहन मे पत्रकारक गप दुनिया क सामने आबि गेल, मुदा गवाह चौधरी आ आरोपी एसडीओ स पूछबाक जरूरत कोनो पत्रकार जरूरी नहि बुझलाह। पत्रकारिताक दुहाई देनिहार पत्रकारिताक एहि सामान्य नियम कए सेहो ताक पर राखि देलथि जे दूनू पक्षक गप दुनियाक सामने रखबाक चाही।
किछु पत्रकार त तत्काल सबटा सरकारी कार्यक्रमक बहिष्कारक घोषणा करि देलथि। मुदा दरभंगाक अधिकतर पत्रकार एकर विरोध केलथि आ कार्यक्रमक रिपोर्ट संग्रह लेल बैसल रहलाह। 26 क सांझ खन वरीय पत्रकार लोकनि इ तय केलथि जे अखबार मे दूनू पक्षक गप छापल जेबाक चाही, आ सेह भेल। एडीओ क विरोध मे अगिला दिन भेल मार्च मे सेहो बहुत पत्रकार नदारद रहलाह।
पुरान पत्रकार एहि गप स आहत छथि जे नव तुरिया सब जोश मे एहि छोट सन ममला कए नाक क सवाल बना लेलक अछि। फेसबुक आ नेटक माध्यम स इ गप धड द पटना स दिल्ली पहुंच गेल। पत्रकारिता क नाम पर छोट स पैघ पत्रकार तक विरोध मे ठार भ गेलाह। गप जखन मुख्यमंत्री तक पहुंचल त ओ तत्काल एकर जांच करेबाक निर्देश देलथि। दरभंगाक जिलाधिकारी एकर जांचक जिम्मा नगर निगमक आयुक्त लक्ष्मेश्वर झा कए सौंपलाह अछि। पत्र नगर आयुक्त क पठाएल जा चुकल अछि। पत्रांक 195 दिनांक 28-01-2011 के पत्र मे जांच के रिपोर्ट जल्द स जल्द सौंपबाक गप कहल गेल अछि।
स्थानीय पत्रकार सभ क कहब अछि जे शहर मे एसडीओ क खिलाफ माहौल बनैत देखि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जांच करा रहल छथि। विरोध मे ठार पत्रकार सबहक कहब अछि जे एसडीओ जखन पत्रकार क संग एहन व्यवहार कए रहल छथि त आम लोकक संग केहन करैत हेताह से बुझी सकेत छी।
एकटा वरीय पत्रकार इसमाद स गप करैत कहला जे मामला किछु नहि छल, तिल कए तार बना देल गेल। इ दरभंगाक पत्रकार क खसैत स्तर कए देखा रहल अछि।
अगर हमर काज मे प्रशासन रुकावट बनए या दुर्व्यहवार हुए त विरोध करबा लेल दरभंगाक जनता सेहो सामने आउत, आ पहिने आबि चुकल अछि। मुदा महज एहि गप पर कि हमरा तवज्जो नहि देल जा रहल अछि एहि पर विरोध अनुचित अछि। एहन घटना कई बेर भेल अछि, दरअसल ओहि समय मे सेहो होइत छल जहिया 10 या 12 टा पत्रकार छल, आइ त सबटा पत्रकार कए पत्रकार समाज सेहो नहि चिन्हैत अछि। करीब 40 स 45 टा पत्रकार दरभंगा मे भ चुकल अछि। एहन मे सब कए चिन्हब ककरो लेल मुश्किल अछि। दरभंगाक इतिहास रहल अछि जखन जखन कलम रोकल गेल हम सब धरना-प्रदर्शन आ रास्ता जाम केलहुं अछि। यहां धरि जे रेल लाइन सन मुददा पर सेहो हम सब आंदोलन क अगुआ भेलहुं। जहा धरि पत्रकार क हित क सवाल अछि सब गोटे एकजुट छी अ रहब, मुदा जहा धरि इ मामला व्यक्तिगत बेसी बुझा रहल अछि बेवजह मामला कए तूल दे जा रहल अछि। इ नीक गप जे सरकार मामला क जांच करा रहल अछि। सत्यता कए परखब बहुत जरुरी भ गेल अछि। एतबा छोट मामला कए राष्टीय स्तर पर उठेबाक कोनो जरूरत नहि छल, आगू कोनो पैघ मामला कए उठेबा मे इ घातक भ सकैत अछि। इ अनुचित है।

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

पटना मे भेटत रेगिस्तानक मजा

Esamaad Epaper Website

बीच मे स्कूल छोडि छात्र बनेलक कार सिक्योरिटी सिस्टम

Esamaad Epaper Website

मैथिली मे आइ स्तरीय साहित्यक घोर अभाव : गौरीनाथ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि