• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

पर्यटक बढल, मुदा नहि बढल धरोहर संरक्षणक प्रति जागरूकता

February 28, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना । बिहार सरकार आ बिहार क जनता दूनू एखन बिहारक पर्यटन उद्योग क आंकडा देखि गदगद अछि। सवाल उठैत अछि जे हम अपन तैयारी एहि दिस केहन क रहल छी। विदेशी पाहुनक स्वागत लेल हम केतबा तैयार छी। हम अपन कौन धरोहर हुनकर सामने रखबा लेल बचा कए रहने छी। धरोहर स छेड़छाड़ बिहार मे आम गप अछि। गया, नालंदा, राजगीर आ बिक्रमशीला कए छोडि बहुत किछु आओर अछि बिहार मे। गया आओर नालंदा घुमलाक बाद विदेशी पाहुन लौट जाइत छथि। बाकी समृद्धशाली अतीत क गवाही देनिहार धरोहर क दर्शन लेल कोनो योजना नहि अछि। एहन धरोहरक संरक्षण क जिम्मेदारी कए उठा रहल अछि। सिर्फ सरकार क भरोसे इ नहि भ सकैत अछि। इ बिहारक जनताक जवाबदेही जखन धरि नहि बनत संभव नहि अछि। हम धरोहर कए ओकर मूल स्वरूप मे बना कए राखब तखने विदेशी पाहुन ओकरा देखबा लेल आबि सकैत छथि। धरोहर बचत त पर्यटन उद्योगक विकास होएत आ रोजगारक नव अवसर बनत। एकरा विडम्बना कहल जाए जे उत्तर बिहार मे अंतरराष्ट्रीय फलक पर चर्चित अनेक धरोहर कए हम अपन हाथ स बदरंग करबा मे तुलल छी। खास कए बौद्धकालीन धरोहर। पूर्वी चम्पारण मे केसरिया स्थित बौद्ध स्तूप कए पर्यटक क नजरि लागि रहल अछि। लोक विश्व क सबस ऊंच एहि स्तूप क गुंबद मे लागल ईटा कए क्षति पहुंचा रहल छथि। बौद्धकालीन धरोहर क मामला मे बिहार काफी समृद्ध अछि आ इ विदेशी पाहुन कए आकर्षित करेबाक सबस आसान साधन अछि। दुनिया भरि स एहिठाम सब साल लाखक संख्या मे पर्यटक अबैत छथि। पूर्वी चम्पारण क धरती क गर्भ मे नुकायल केसरिया स्तूप खुदाई क बाद 1998 मे विश्व क पर्यटन मानचित्र पर आयल छल। एहि स पहिने जावा मे 103 फुट ऊंच बोरोबुदुर स्तूप कए सबस ऊंच हेबाक गौरव हासिल छल। केसरिया स्तूप क ऊंचाई 104 फुट अछि। एखन धरि स्तूप क महज चालीस फीसदी हिस्सा क उत्खनन भ सकल अछि। कुल उत्खनन क 70 फीसदी हिस्सा कए त संरक्षित करि देल गेल अछि, मुदा शेष भाग असुरक्षित अछि। मुख्य रूप स गुंबद क ओ संवेदनशील हिस्सा, जेकर कारण स एकरा गौरव भेटल अछि, स्थानीय लोकक उदासीनता़ क शिकार भ रहल अछि। एहि स्तूप क निर्माण गुप्तकाल मे सम्राट अशोक करबेने छलाह। मान्यता अछि जे वैशाली स कुशीनगर जेबा काल भगवान बुद्ध केसरिया मे रुकल छलाह। एहि दौरान ओ अपन शिष्य आनंद कए कहला जे ओ पिछला जन्म मे राजा महादेव क नाम स एहि ठाम राज केने छलाह।
बिहार क गौरव एहि स्तूप कए संवारबा लेल घोषणा त बहुत भेल। प्रोजेक्ट सेहो बनल, मुदा सबटा कोशिश कागज स नीचा नहि उतरि सकल। पुरातत्व विभाग एहि ठाम महज एकटा केयर टेकर क तैनाती करि अपन कर्तव्य क इतिश्री करि लेने अछि। केसरिया एहन असगर जगह नहि अछि उत्तर बिहारक अधिकतर धरोहरक देखभाल मे घोर लापरवाही देखल जा सकैत अछि।
कहबा लेल त बिहार मे पर्यटक क बढैत संख्या स सब खुश छथि मुदा सही गाइड लाइन नहि भेटबाक शिकायत एहि ठाम आब आम भ गेल अछि। जखनकि राजग सरकार आ ओकर मुखिया नीतीश कुमार क एजेंडा एकदम साफ अछि। ओ नालंदा विश्वविद्यालय कए पुनर्जीवन देबा पर ध्यान केंद्रित केने छथि। मुदा आन योजना कए लागू करबा मे पुरातत्व विभाग क संग पर्यटन विभाग क सक्रियता देखबा मे नहि आबि रहल अछि। खासकए, एहन साल मे जखन राजेंद्र बाबू क 125म जयंतीक संगहि बिहार अपन अभ्युदय क 100 साल मे प्रवेश कए रहल अछि। इ हमर सबहक जिम्मेदारी बनैत अछि जे हम अपन धरोहर कए सींचकए राखि, किया जे एकरे बदौलत नवबिहार क इतिहास क गाथा सेहो लिखल जाएत।

Tags: Biharbihar tourism development corporationबिहार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार दिवसक तैयारी अंतिम चरण मे

Esamaad Epaper Website

बदली रहल अछि गांधी मैदान क सूरत

Esamaad Epaper Website

उत्तर बिहार क बूटि बदलत चिकित्साक दुनिया

Comments 1

  1. Dr. shashidhar Kumar says:
    11 years ago

    सही बात , एहि ठाम पुणे मे शनिवार बाड़ा, लाल महल आदि दड़िभंगा राजमहलक तुलना मे किछु नञि पर संरक्षित अछि आ पर्यटन मानचित्र पर अछि , जिर्णोद्धार पर जिर्णोद्धार भऽ रहल अछि ………………………………..पर अपना ओहि ठाम सरकार आ लोकसब दुनु मिलि कऽ महलक एक एक ईंटा छोड़ा रहल छथि ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि