• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

पर्यटक बढल, मुदा बाट एखनो दुरुस्‍त नहि

January 22, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नई दिल्‍ली/ पटना। बिहार मे पर्यटकक संख्‍या मे लगातार बढोतरी भ रहल अछि, मुदा पर्यटन स्‍थल पर ओहि अनुरूप सुविधाक घोर अभाव देखल जा रहल अछि। गया आ नालंदा तक सिमटल बिहार पर्यटन आब समग्र रूप स पूरा बिहार तक पहुंच गेल अछि। लोक बिहार पहुंचलाक बाद नालंदा आ गया क आसपासक क्षेत्र सेहो देखबा लेल जा रहल छथि। एहन मे हुनका आधारभूत सुविधाक अभाव पर्यटन विकास मे बाधक बनि रहल अछि। पर्यटक बढैत संख्‍याक अनुरूप पटना, गया और नालंदा सन जगह पर सेहो देल गेल सुविधा कम पडि रहल अछि। बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम क अधिकारीक क अनुसार राज्य मे नवम्बर मास मे 5.27 लाख विदेशी पर्यटक एलथि। इ आंकड़ा भारत कोनो राज्य मे एहि मास मे आयल पर्यटक क आंकड़ा स बेसी अछि। एहन मे पर्यटक लेल रहबाक नीक व्‍यवस्‍था आ धुमबा लेल नीक सडक सन मूलभूत जरूरत क अभाव देखार भ रहल अछि।
एहि संदर्भ मे बिहार टूर एंड ट्रैवल असोसिएशन राज्य क पर्यटन विभाग कए एकटा पत्र सेहो लिखलक अछि। एसोसिएशन क कहब अछि जे नीक सड़क क निर्माण स जतए बिहार क मुख्यमंत्री 2010 विधानसभा चुनाव मे दोबारा कामयाबी हासिल केलथि, ओतहि बौद्ध आ जैन सर्किट मे खराब होइत सड़क क कारण राज्य कए पर्यटन क्षेत्र मे काफी नुकसान भ रहल अछि। बिहार मे बढैत पर्यटन क संभावना कए देखैत बौद्ध आओर जैन पर्यटन सर्किट मे सड़क क हालत मे सुधार करबाक अनुरोध कैल गेल अछि। एसोसिएशन महासचिव केपी सिंह कहला जे दूनू सर्किट मे सड़क क हालत खराब अछि, एहि स पर्यटक मे राज्य क खराब छवि बनैत अछि। ओना ओ इ कहला जे राज्‍य मे कानून-व्यवस्था बेहतर अछि आ पर्यटन सुरक्षित अछि।
दोसर दिस बिहार क पथ निर्माण मंत्री नंद किशोर यादव क कहबा अछि जे नव राष्ट्रीय राजमार्ग क विकास क गप कए छोडू, मौजूदा राष्ट्रीय राजमार्ग क सेहो राष्ट्रीय मापदंड क अनुरूप बना कए रखबा मे सेहो केंद्र सहयोग नहि करि रहल अछि। 2005 मे राज्य सत्ता परिवर्तन क बाद स बिहार लगातार उपेक्षा क शिकार रहल अछि। राज्य मे 3642 किलोमीटर राष्ट्रीय राजमार्ग अछि। एहि मे स 1609 किलोमीटर सड़क भारतीय राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरण क अधीन अछि, जखनकि 2033 किलोमीटर राष्ट्रीय राजमार्ग क रखरखाव क जिम्मेदारी बिहार सरकार क अछि। मूल समस्या एहि सड़कक रखरखाव पर अछि। बिहार सरकार वित्तीय वर्ष 2005-06 स एखन धरि राष्ट्रीय राजमार्गो क रखरखाव क 4162.47 करोड़ टका क लागत क पांच सौ स बेसी प्रस्ताव केंद्र सरकार कए पठा चुकल अछि मुदा सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय एहि मे केवल 1082.79 करोड़ क 180 योजना कए स्वीकृति प्रदान केलक अछि।
एहि मे कोनो दू राय नहि जे राष्ट्रीय राजमार्ग क रखरखाव लेल केंद्र दिस स धन आवंटन मे बिहार क उपेक्षा भ रहल अछि। चालू वित्तीय वर्ष मे राज्य क राष्ट्रीय राजमार्ग क रखरखाव लेल केंद्र एखन धरि कोनो राशि नहि देलक अछि। एतबे नहि पिछला सात सालक दौरान राज्य क ज्यादातर सड़क योजना कए सेहो केंद्र सरकार स स्वीकृति नहि भेटल अछि। बिहार न सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय कए वर्ष 2011-12 क सालाना योजना मे शामिल करबा लेल 1061.64 करोड़ क प्रस्ताव जुलाई, 2011 कए पठाउल गेल छल, मुदा मंत्रालय एहि साल लेल कोनो योजना कए स्वीकृति नहि देलक। तीन साल पहिने बिहार सरकार राज्य मे राष्ट्रीय राजमार्ग क खराब स्थिति आ ओकर मरम्मत लेल पठाउल गेल प्रस्ताव कए स्वीकृति मे केंद्र क देरी कए देखैत अपन स्‍तर पर सड़क कए दुरुस्त करा देलक, मुदा एहि मद पर खर्च भेल करीब 900 करोड़ क राशि क भुगतान क मामला एखनो केंद्रीय सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय मे अटकल अछि। बिहारक नजरि स देखल जाए त बिहार केंद्र क जिम्‍मेदारी निभेबा लेल किया बाध्‍य भ रहल अछि, जखन कि आन राज्‍य मे केंद्र सरकार अपन जिम्‍मेदारी निभा रहल अछि। बिहार एक बेर केंद्र क जिम्‍मेदारी निभा देलक जाहि स सडक किछु चलबा जोकर भेल। मुदा केंद्र इ मानि कए बैस गेल जे सब साल आब इ काज बिहार अपने क लेत। इ केंद्र सरकारक बिहार विरोधी नीति क उदाहरण त कहले जा सकैत अछि संगहि इ भारतीय संघ आ राज्‍य क संबंध कए सेहो कमजोर क रहल अछि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार फेर लिखलक इतिहास, जब्‍त भेल दूटा दलालक संपत्ति

Esamaad Epaper Website

आखिर महेश्‍वर बाबू हारि गेलाह

Esamaad Epaper Website

'सर, एडवांसे मे दिया दियउ ने...'

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि