• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

पांच किश्त मे होएत वेतन क भुगतान

January 2, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

राजगीर (नालंदा)। राजगीर क रत्नागिरी पर्वत पर शांति आ सौहार्द क प्रतीक विश्वशांति स्तूप क सभागार मे बैसल कैबिनेट अपन फैसला स राज्यकर्मी कए राहत पहुंचेबाक प्रयास केलक अछि। छठा केन्द्रीय वेतन आयोग क रिपोर्ट पर गौर करेबा लेल गठित वेतन समिति क अनुशंसा पर 1 अपै्रल 07 स 31 दिसंबर 08 तक बढ़ल वेतन आ भत्ता कए भुगतान करबा पर राज्य सरकार सहमत भ गेल अछि। एहि बकाया कए एक वर्ष क भीतर पांच किश्त मे देबाक फैसला कएल गेल अछि। हालांकि रिटायरमेंट क दहलीज पर खाड़ राज्यकर्मी कए एकमुश्त भुगतान करि देल जाएत। एकर अलावा राज्य सरकार वेतन वृद्धि क प्रारूप बदल देलक अछि। आब पे स्केल क बजाय ग्रेड पे क आधार पर वरीयता निर्धारित होएत। इ फोर पे बैंड क फार्मूला पर आधारित होइत। दोसर दिश एसीपी क तहत सेवा क 12वें आ 24वें साल मे होबै वाला वेतन वृद्धि आब नौकरी क दौरान तीन बेर 10वें, 20वें आ 30वें वर्ष मे होइत। भत्ता मे सेहो सुधार कएल गेल अछि। हाउस रेट क निर्धारण शहर, कस्बा आ ग्रामीण क्षेत्र क लेल अलग-अलग कएल गेल अछि। पटना मे तैनात राज्यकर्मी कए वेतन क 20 फीसदी, राज्य मे चिन्हित 21 टा शहर क लेल 10 फीसदी, 50 हजार क आबादी वाला कस्बाई इलाका क लेल 7.5 फीसदी आ ग्रामीण क्षेत्र मे कार्यरत कर्मी कए वेतन क 5 फीसदी बतौर हाउस रेट भेटत। परिवहन भत्ता केवल पटना मे नियुक्त राज्यकर्मी कए देबाक प्रावधान कएल गेल अछि, जेकर निर्धारण अलग-अलग वेतन वर्ग क लिहाज स भेल अछि। 8 हजार वेतन वर्ग क कर्मी कए एक हजार, 6500 वाला कए 700 आ 5500 वाला कए 400 टका देय होएत। दृष्टिहीन आ विकलांग कर्मी कए दूना परिवहन भत्ता भेटत। चिकित्सा यात्रा पहिने स दूना करि दू सौ टका करि दे गेल अछि। राज्यकर्मी क छुट्टी क आ मनोरंजक बनेबाक उपाय सेहो कएल गेल अछि। आब हुनका देश क भीतर कोनो स्थान पर छुट्टी मनेबाक आजादी होएत। इ सुविधा 5 वर्ष क कार्यकाल मे दू बेर भेटत। मालूम हुए जे पहिने राज्यकर्मी कए राज्य क सीमा क अंदर कोनो टूरिस्ट स्थल आ अन्यत्र छुट्टी क एवज भत्ता भेटैत छल। कैबिनेट क बैठक क बाद वेतन आ भत्ता वृद्धि क बारे मे वित्त विभाग क प्रधान सचिव भानु प्रताप शर्मा कहलथि जे बढ़ल भत्ता क कारण राज्य क खजाना पर 600 करोड़ टका क अतिरिक्त बोझ पड़त। कैबिनेट सचिव कहलथि जे आब हर वर्ष 22 मार्च कए राजकीय समारोहपूर्वक बिहार दिवस मनाएउल जाएत। ब्रिटिश शासनकाल मे एहि दिन बिहार प्रांत क गठन क अधिकारिक घोषणा भेल छल। एकर अलावा राज्य सरकार देश क प्रथम राष्ट्रपति राजेन्द्र प्रसाद क प्रति सेहो अपन श्रद्धा जतउलक अछि। आब हुनकर जन्मदिन 3 दिसंबर कए हर वर्ष मेधा दिवस क तौर पर मनाउल जाएत।

Tags: salary
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बोधगया आ वैशाली मे होएत अगिला प्रवास : नीतीश

Esamaad Epaper Website

पहिल दिन स लागू बिहार क विकास मे

Esamaad Epaper Website

यूपीएससी मे एहि बेर 965 टा सीट

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कियो नहि उठेलक मिथिलाक विकासक नैतिक दायित्व

by संपादक
March 27, 2017
0

Read more

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि