• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

पुरातत्‍व विभाग देलक दरभंगा पर रिपोर्ट

February 3, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। बिहार सरकारक पहल पर पूरातत्‍व विभाग दरभंगाक सर्वे शुरू क देलक अछि आ ओ अपन प्रारंभिक रिपोर्ट सेहो सरकार कए सौंप देलक अछि। बिहारक पर्यटन मंत्री सुनील कुमार एहि संबंध मे कहला जे सरकार कए रिपोर्ट भेट गेल अछि आ ओकर अध्‍ययन केलाक बाद उचित कार्रवाई कैल जाएत। श्री कुमार कहला जे सरकार धरोहर बचेबा लेल गंभीर अछि आ एकरा पर्यटन से जोडबाक प्रयास क रहल अछि। ओ कहला जे पटना मे गंगा नदी क कछैर मे बनल दरभंगा हाउस क सौंदर्य कए दुनिया आब राति मे सेहो देख सकत। सरकार गंगा कात स एहि महल कए रोशन करबाक काज शुरू क देलक अछि। मार्च स गंगा मे नौकायन करैत अहां एहि महल कए रोशनी मे नहायल देख सकैत छी।
ओ कहला जे बिहार क विरासत अत्यंत समृद्ध आ गौरवशाली अछि। हालक वर्ष मे एहि ठाम ऐतिहासिक, धार्मिक आ पौराणिक महत्व क 3629 स्थल चिह्नित कैल गेल अछि, जे इतिहास क नव कथा सुनाओ सकैत अछि। मानव सभ्यता आ संस्कृति क उत्पत्ति आ विकास क कालखंड क रहस्‍य स पर्दा उठेबा लेल सरकार प्रयासरत अछि। एहि स्थल पर खुदाई संभावित अछि। एखन धरि शासनिक उपेक्षा आओर संरक्षण नहि भेटलाक कारण एहि धरोहर सबहक अस्तित्व खत्‍म भ रहल छल। आब वैज्ञानिक तरीका स सूचीकरण आ अभिलेखन कार्य शुरू कैल गेल अछि।
विभागीय जानकारीक अनुसार पिछला कई साल स फाइल मे गाडल जा चुकल धरोहर कए एक बेर फेर सरकार सुध लेलक अछि। 1971 मे आर्कियोलाजिकल सर्वे आफ इंडिया क अनुमति स पुरातत्व निदेशालय क तत्कालीन निदेशक सीताराम राय राज्य मे पुरातत्व स जुड़ल धरोहर पर जे अन्वेषण कार्य केने छलाह, ओकरा संरक्षित नहि राखल जा सकल। कला आ संस्‍कृति विभाग क पदाधिकारी के मिश्र कहला जे ख्यात अंग्रेज खोजकर्ता जेम्स विलियम फ्रेजर अपन यात्रा वृतांत मे लिखने छथि जे बिहार मे नवपाषण काल आ ताम्रपाषण काल क संस्कृति स जुडल ऐतिहासिक महत्व क कईटा स्थल अछि, जेकर खुदाई भेला पर मानव सभ्यता आ संस्कृति क कईटा पहलु पर स परदा उठि सकैत अछि। 1816 मे गंगा क उद्गम तकबा लेल निकलल जेम्स विलियम फ्रेजर गंगोत्री तक क यात्रा त नहि क सकलाह मुदा अपन यात्रा मार्ग मे पडल ऐतिहासिक आ धार्मिक स्थल क उल्लेख विस्तार स केलथि।
हैरानी क गप अछि जे राज्य मे ऐतिहासिक विरासत कए जमींदोज धरोहर आ स्थल क वैज्ञानिक आ सूचीकरण आ अभिलेखन क कार्य नहि कैल गेल। एहि मामला मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार धरोहर क महत्व कए बेहद गंभरता स लेलथि अछि आ पुरातत्व व उत्खनन कार्य स जुडल सरकारी एजेंसी कए कार्य करबाक निर्देश देलथि अछि। 2007 स पहिल बेर ऐतिहासिक आ पौराणिक स्थल क सूचीकरण क कार्य प्रारंभ भेल अछि। वित्तीय वर्ष 2007-08 आ 2009-10 तक एहन 3629 स्थल कए चिह्नित करि कए सूचीकरण कैल गेल अछि, जतए उत्खनन करला स इतिहास क गर्भ मे दफन अनेक रहस्‍य पर स परदा उठि सकैत अछि। एहि मे पटना क 429, नालंदा क 468, जहानाबाद क 140, औरंगाबाद क 151, समस्तीपुर क 232, लखीसराय क 62, बेगूसराय क 191, मधुबनी क 213, बांका क 44, दरभंगा क 128, बक्सर क 81, खगडि़या क 96, नवादा क 308, कैमूर क 360, वैशाली क 357टा स्‍थल शामिल अछि।

Tags: Bihardarbhanga
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

हटाउल जाएत केस

Esamaad Epaper Website

अंतरराष्ट्रीय कृषि संस्थान लेल 200 एकड़ भूमि देत सरकार

Esamaad Epaper Website

समस्‍तीपुर मे भेटल 6000 साल पुरान सभ्यता

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि