• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

पेंशनर कए नीतीश क शानदार सनेस

September 17, 2009
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

photoजिनगी बढ़त त पेंशन बढ़त
80 स 85 वर्ष क उम्र मे -पेंशन राशि स
20 प्रतिशत अतिरिक्त पेंशन
85 स 90 भ गेला पर 30 प्रतिशत अतिरिक्त पेंशन
90 स 95 भेला पर 40 प्रतिशत अतिरिक्त पेंशन
95 स 100 क बीच पहुंचला पर 50 प्रतिशत अतिरिक्त पेंशन
100 या ओहि स बेसी भेला पर पेंशन राशि मे 100 फीसदी अतिरिक्त पेंशन

कहिया कतेक भेटत बकाया
2009-10 मे 15 प्रतिशत
2010-11 मे 40 प्रतिशत
2011-12 मे 45 प्रतिशत

2006 स महंगाई भत्ता सेहो जोडि़कए अलग स भेटत
पहली जुलाई स 06 जनवरी 07 तक 2 प्रतिशत
जनवरी 07 स 6 प्रतिशत
जुलाई 07 स 9 प्रतिशत
जनवरी 08 स 12 प्रतिशत
जुलाई 08 स 16 प्रतिशत
जनवरी 09 स 22 प्रतिशत

पटना। त्यौहार क एहि मौसम मे सरकार राज्य क 3.56 लाख पेंशनधारी पर सनेसक बौछार करि देलक अछि। रिटायर राज्यकर्मी कए फिटमेंट लाभ दैत हुनकर पेंशन मे चालीस फीसदी क इजाफा करि देल गेल अछि। एतबे नहि जेना-जेना रिटायर कर्मी क बैस बढ़त, तना-तना ओकर पेंशन मे अतिरिक्त राशि जुटैत जायत। सौ पहुंचला पर पेंशन दोगुना भ जाइत। रिटायर भ रहल कर्मी कए आब 3.50 लाख टका ग्रैच्यूटी क स्थान पर 10 लाख टका भेटत। छठम वेतन आयोग क अनुशंसा क आलोक मे राज्य कैबिनेट बुधदिन इ फैसला लेलक। पेंशन पुनरीक्षण वैचारिक तौर पर पहल जनवरी, 2006 स लागू होइत मुदा एकर वास्तविक लाभ एक अप्रैल, 2007 स भेटत। ओतहि अपुनरीक्षित वेतनमान पाबि रहल सरकारी कर्मी आ रिटायर कर्मी कए महंगाई भत्ता मे दस प्रतिशत बढ़ोतरी क प्रस्ताव कए सेहो कैबिनेट मंजूरी द देलथि। शेट्टी आयोग क अनुशंसा क आधार पर राज्य न्यायिक सेवा क अधिकारी कए तीन अग्रिम वेतन वृद्धि देबाक फैसला कैल गेल अछि। कैबिनेट सचिव गिरीश शंकर राज्य मंत्रिमंडल क फैसल क बारे मे जानकारी देलथि। पेंशनधारी क संबंध मे लेल गेल निर्णय क बारे मे शंकर कहलथि जे पुनरीक्षित पेंशन क राशि पेंशनधारी द्वारा सेवानिवृत्ति क समय प्राप्त वेतन क पुनरीक्षित वेतन बैंड क प्रारंभिक वेतन आ ग्रेड वेतन क योग क 50 प्रतिशत स कम नहि होयत। इ लाभ पारिवारिक पेंशन क तहत सेहो भेटत। पुनरीक्षित पेंशन या फेर पारिवारिक पेंशन क न्यूनतम राशि 3500 टका निर्धारित होयत। उम्र बढ़ला क संग-संग पेंशन क राशि बढ़बा क संबंध मे इ प्रावधान कैल गेल अछि जे 80 स 85 वर्ष क उम्र मे जखन पेंशनधारी पहुंच जाइत छथि त हुनका हुनकर पेंशन राशि स 20 प्रतिशत अतिरिक्त पेंशन भेटत, 85 स 90 भ गेला पर 30 प्रतिशत, 90 स 95 भेला पर 40 प्रतिशत, 95 स 100 क बीच पहुंचला पर 50 प्रतिशत आओर 100 या ओहिस बेसी भेला पर पेंशन राशि मे 100 फीसदी क इजाफा भ जायत। कैबिनेट सचिव कहला जे पेंशन क बकाया राशि क भुगतान स सरकार पर 1700 करोड़ टका क बोझ पड़त, जखन कि नियमित पेंशन भुगतान क लेल प्रति 1000 करोड़ टका अतिरिक्त खर्च करैय पड़त। साढ़े तीन लाख स बढि़ कए 10 लाख कैल गेल ग्रैच्यूटी क राशि अधिसूचना जारी हेबाक तिथि स प्रभावित मानल जाइत। यानी निकट भविष्य मे रिटायर करला पर सेहो सरकारी कर्मी कए एकर फायदा भेट सकत। बकाया पेंशन क भुगतान क संबंध मे इ प्रावधान कैल गेल अछि जे इ तीन किस्त मे रिटायर कर्मी कए भेटत। 2009-10 मे 15 प्रतिशत, 2010-11 मे 40 प्रतिशत आ 2011-12 मे बकाया क 45 फीसदी भुगतान होयत। एतबे नहि रिटायर कर्मी कए 2006 स महंगाई भत्ता सेहो जोडि़कए अलग स भेटत। एकरा लेलपहली जुलाई स 06 स जनवरी 07 तक 2 प्रतिशत, जनवरी 07 स 6 प्रतिशत, जुलाई 07 स 9 प्रतिशत, जनवरी 08 स 12 प्रतिशत, जुलाई 08 स 16 प्रतिशत आ जनवरी 09 स 22 प्रतिशत देय होइत। राज्य सरकार क ओहन कर्मी या रिटायर कर्मी जिनका एखन धरि अपुनरीक्षित वेतनमान भेट रन्हन्ल छैन, हुनका डीए मे 10 प्रतिशत इजाफा करबाक सेहो फैसला लेल गेल अछि। एहन मे हुनका जनवरी 2009 स 54 फीसदी क स्थान पर 64 फीसदी महंगाई भत्ता भेटत। अराजकीय माध्यमिक विद्यालय क शिक्षक आ शिक्षकेतर कर्मी क लेल सेहो सरकार नव सुविधा शुरू करबाकअपन मंजूरी प्रदान कैलक अछि। एखन धरि पीएफ क राशि बचत खाता मे जमा कैल जाइत छल। आब इ राशि कए पीपीएफ एकाउंट मे रखल जाइत, ताकि हुनका अधिक आर्थिक लाभ भेटनि। शेट्टी कमीशन क अनुशंसा क आधार पर राज्य न्यायिक सेवा क पदाधिकारी कए तीन अग्रिम वेतन वृद्धि देबाक फैसला सेहो लेल गेल अछि।

Tags: Biharcabinetnitishold age carepatnapension reformrate change
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

एएमयू केन्द्र क लेल किशनगंज में सौ एकड़ भूमि देलक बिहार सरकार

Esamaad Epaper Website

मिड-डे-मील क खिचड़ी अछि नमकीन जहर

Esamaad Epaper Website

पारसमणि नहि छथि नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सोहर, कजरी आ नचारी स भेटल सुर समाद

by संपादक
August 24, 2015
0

Read more

रंग स नहायल मिथिला

by संपादक
March 1, 2010
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि