• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

प्रणब दा लिखताह बिहार पर किताब

February 20, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

नई दिल्ली । केंद्रीय वित्त मंत्री प्रणब मुखर्जी बिहार क संस्थागत सुधार पर किताब लिखबाक इच्छा प्रकट केलथि अछि। प्रणब दा कहला अछि जे बिहार गरीब जरूर अछि मुदा बिहारक वित्तीय प्रबंधन क स्थिति आन बहुत राज्य स मजबूत अछि। बिहारक वित्तीय स्थिति और तेज विकास दर आइ हमरा एकरा पर किताब लिखबा लेल मजबूर करि रहल अछि। हम व्यक्तिगत रूप स बिहार क प्रगति देखि-जानि गदगद छी। इ गप ओ पिछला सप्ताह नीतीश कुमार स बिहार पर चर्चा क दौरान कहलाह। ओ नीतीश स बिहारक प्रगति पर विस्तृत जानकारी लेलथि।
प्रणब दा नीतीश स कहलथि जे हम अखबार आ लोक स बिहारक बारे मे पढैत आ सुनैत रहैत छी, हमरा पता अछि जे बिहार मे सड़क क स्थिति काफ़ी नीक भ गेल अछि। प्रणब दा कहला जे ओ एहि बेर बिहारक बजटक बाट ताकि रहल छथि किया जे बिहारक विकासक गति कए कायम रखबा लेल इ बजट महत्वपूर्ण होएत।
प्रणब दा लेल बिहार केतबा महत्वपूर्ण भ चुकल अछि एकर अंदाजा एहि स लगाउल जा सकैत अछि जे नीतीश संग हुनकर बैठक भोर मे तय छल, मुदा कैबिनेटक बैठक हेबाक कारण ओ संभव नहि भ सकल। बिहारक अधिकारी लगभग इ मानि चुकल छलाह जे कैबिनेट क बैठक आ बजटक तैयारी मे व्यस्त प्रणबदा स नीतीशक भेंट मोंटेक संग बैठक स पहिने संभव नहि भ सकत, मुदा कैबिनेट क बैठक खत्म होइत देरी प्रणब दा नीतीश स भेंट करबा लेल तैयार भ गेलाह। दोपहर 1ः30 बजे काफ़ी व्यस्त शिड्यूल स समय निकालि वित्त मंत्री मुख्यमंत्री स बिहारक विकासक विस्तार स जानकारी लेलथि।
नीतीश कुमर लेल इ राहत क गप छल, हुनकर मांग सुनबा स पहिने वित्त मंत्री बिहार मे भ रहल काजक प्रशंसा शुरू करि देलथि आ एहि मे कोनो प्रकारक बाधा कए दूर करबाक वादा सेहो करि देलथि। इ सुनि योजना आकार कए घटेबा लेल जी जान लगौनिहार अधिकारीक माथ पर पसीना आबि गेल, चूंकि योजना आकार क मंजूरी मे वित्त मंत्रालय क किछु अधिकारी संसाधन कए ल कए अडंगा लगा रहल छलाह, एहन मे प्रणब दा क मुंह स बिहार क प्रगति क गुणगाऩ सुनि कए वित्त मंत्रालय क अधिकारी तत्काल अपन आंकड़ा कए दुरुस्त करबा मे लागि गेलाह।
मुख्यमंत्री विशेष राज्य क दर्जा सहित बीआरजीएफ़ क बचल एक हजार करोड़ आ 12म पंचवर्षीय योजना मे सेहो एकरा जारी रखबाक मांग प्रणब दा लग रखलथि। स्पेशल कंपोनेंट क तहत गंडक परियोजना, रेलवे पुल, गंगा नदी पर पुल ओद क लेल राशि बढ़ेबा पर सेहो चर्चा भेल। प्रणब दा गंभीरता स मुख्यमंत्री क गप सुनैत रहलाह।
नीतीश जखन हुनका इ-शक्ति प्रोजेक्ट क बारे मे बता रहल छलाह, त ओ एतबा उत्साहित भ गेलाह जे कहला जे एहन प्रोजक्ट कए त आन राज्य कए सेहो अपनेबाक चाही। साइकिल योजना सहित बिहार मे चलि रहल तमाम योजना क बारे मे जानकारी लेलाक बाद प्रणबदा कहला जे बिहार कए आगू बढबा स रोकब आब कोनो आयोगक हाथ मे नहि अछि।
चूंकि बिहार पहिल राज्य छल, जेकरा एहि साल सबस पहिने योजना आयोग स बजट क मंजूरी लेबाक छल, ताहि लेल काज क आधार पर योजना आकार बढ़ेबा लेल प्रयासरत नीतीश लेल प्रणबदाक इ उदगार एक प्रकार स सकून द देलक। योजना आयोग क बैठक स पूर्व वित्त मंत्री क संग मुख्यमंत्री योजना आकार क मुताबिक बिहार कए केंद्र स नहि भेटल राशि पर सेहो गप केलथि, एहि प्रकार स कोनो एहन बाधा नहि रहि गेल छल, जेकरा लकए वित्त मंत्रालय आपत्ति करए।
योजना आयोग क संग बैठक स पूर्व वित्त मंत्री क संग भेंट क मनोवैज्ञानिक प्रभाव आओर दबाव सेहो बनल आ प्रणब दा क सामने लगभग इ तय भ गेल जे बिहार क योजना आकार 24 हजार करोड़ स कम नहि होएत।

Tags: Biharबिहार
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

कोना मंजूर भेल सबस पैघ योजना आकार

Esamaad Epaper Website

विदेश जाएत सिलाव क खाजा

Esamaad Epaper Website

नदी जोडबा मे प्राथमिकता देखाउ: नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सोहर, कजरी आ नचारी स भेटल सुर समाद

by संपादक
August 24, 2015
0

Read more

रंग स नहायल मिथिला

by संपादक
March 1, 2010
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि