उदय चटर्जी
पटना। छह फरवरी कए कोसी महासेतु क उद्घाटन होएत। एकर उद्घाटन केंद्रीय भूतल परिवहन मंत्री सीपी जोशी करताह। पहिने प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह स उद्घाटन करेबाक योजना छल, मुदा प्रधानमंत्री एहि लेल समय नहि निकाली सकलाह। पुलक उदघाटनक सूचना स मिथिला मे उत्सव क माहौल भ गेल। उद्घाटन निर्मली में होएत। 1934 स दू भाग मे विभक्त मिथिला एक बेर फेर एक भ जाएत। एहि महासेतु क निर्माण पूरा भ चुकल अछि। लगभग 418 करोड़ क लागत स बनल एहि महासेतु क लंबाई 1.87 किमी अछि। एहि महासेतु तक जेबा जेज पांच किमी लंबा एप्रोच पथ क निर्माण कार्य सेहो पूरा भ गेल अछि। महासेतु कए तैयार केलक अछि गैमन इंडिया कंपनी जे एहि स पहिने पटनाक महात्मा गांधी सेतु समेत कईटा सेतु बना चुकल अछि। महासेतु क लोकार्पणक बाद मिथिलाक दूनू भाग मे बंटल सांस्कृतिक सबंध एक बेर फेर मजबूत भ जाएत, संगहि असम स गुजरात तक पूर्व पश्चिम गलियारा क एकटा पैघ हिस्सा सेहो पूरा भ जाएत। एहि स मिथिलाक व्यावसायिक सबंध सेहो मजबूत होएत। पुल क उंचाई क विषय में कंपनी क अधिकारीक कहब अछि जे इ जमीनक सतह स 12 मीटर उंच अछि आ एहि मे कुल 40टा खंभा अछि। महासेतु क उदघाटन क सूचना भेटलाक बाद नव सालक स्वागत मे जश्न मना रहल मिथिलाक लोक क आंखि खुशी स नोरा गेल। लोक कहब अछि जे इ सपना जेकां लगैत अछि। ज्ञात हुए जे मिथिला कए जोडबाक सपना ललित नारायण मिश्र (जिनकर पुण्यतिथि 2 जनवरी कए अछि) देखने छलाह। मुदा हुनकर हत्याक बाद सपना पूरा नहि भ सकल छल। मुदा नीतीश कुमार रेलमंत्री बनलाक बाद एहि परियोजना कए जमीन पर उतारलाह। आई प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह जरूर एकर उदघाटन करताह, मुदा मिथिला अटल बिहारी वाजपेयी कए एहि लेल कहियो नहि बिसरत जे एहि सेतु क नींव रखलथि।
Atal ji a Nitish ji dunu badhaaik patra chhathi je Doo bhaag me bibhakt Mithila ke ehi setu ke madhyam sa jori delaith.