• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

प्रफुल्ल चाहता त अगिला मास शुरू भ जाएत दरभंगा स हवाई सेवा

July 7, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018


पटना। बिहारक प्रति केंद्रीय मंत्री सबहक क व्यवहार केहन रहल अछि इ आब ककरो स नुकायल नहि अछि, मुदा नवी मुबंई मे हवाई अडडा बनेबा लेल जयराम रमेष स लडबा मे प्रफुल्ल पटेल जी एतबा व्यस्त छथि जे बिहार मे हवाई यात्रा स संबंधित एकटा छोट सन फाइल पर हस्ताक्षर करबा लेल समय नहि भेट रहल छैन, पिछला कई मास स दरभंगा-पटना-रांची हवाई सेवा लेल पटना मे हैंगर उपलब्ध करेबा स संबंधित फाइल उडडयन मंत्रालय मे गरदा फांकि रहल अछि। जखन कि बिहार मे हवाई जहाज स उडनिहार लोकक संख्या मे रिकार्ड उछाल आयल अछि आ स्प्रीट एयरलाइन (रांची) बिहारक पैघ शहर दरभंगा, गया, पूर्णिया आ सारण स हवाई सेवा शुरू करबाक योजना तैयार केने अछि। कमालक गप इ अछि जे उडडयन मंत्रालय एकरा उपलब्धि क रूप मे प्रचारित करि रहल अछि, मुदा योजना कए जमीन पर उतारबा स कतरा रहल अछि। इ हास्यास्पद संग बिहारक दुर्भाग्य सेहो अछि। स्प्रीट एयरलाइन (रांची) क अधिकारीक कहब अछि जे कंपनी हवाई सेवा शुरू करबा लेल पिछला कई मास स तैयार अछि, एकरा लेल 10 सीटवाला हवाई जहाज सेहो लीज पर ल ले गेल अछि, बस पटना हवाई अडडा पर हैंगर उपलब्ध भ जाए त सेवा क विधिवत शुरूआत करि दी। स्प्रीट एयरलाइन (रांची) क अधिकारीक कहब अछि जे पिछला साल दरभंगा मे छोट हवाई उड़ान क सपना जगल छल, मुदा साकार हेबा स पूर्व ध्वस्त भ गेल। जहाज पहिल उड़ानक दौरान रनवे स फिसलि गेल, जखन कि दरभंगाक रनवे बिहार मे सबस पैघ अछि। कंपनीक उम्मीद अछि जे सरकार अगर एहि मास मे द देलक त 15 अगस्त तक इ सेवा शुरू भ जाइत। कंपनी, मुजफ्फरपुर स हवाई सेवा सेहो शुरू करै चाहैत अछि। राज्य सरकार ओकरा पताही क हवाई अड्डा कए दुरुस्त करा लेबाक अनुमति देलक अछि, मुदा कंपनी सरकार स इ अपेक्षा केने अछि जे ओ हवाई अडडा तैयार करि कए दिए।
दरअसल बिहार मे पिछला 60 साल स हवाई सेवा दूर गगन मे उडैत पंछी क भांति रहल अछि, जेकरा देखल त जा सकैत अछि मुदा छू नहि सकैत छी ..! किछु नाइंसाफी किछु दुर्भाग्य एहन रहल जे बिहार मे हवाई सेवा कहियो ठीक स उडान नहि भरि सकल। राजग क शासन काल मे भाजपा नेता शाहनवाज हुसैन जखन उडडयन मंत्री भेला त एहि क्षेत्र मे किछु काज भेल, पटना हवाई अडडाक सूरत बदलल आ गया स अंतरराष्टीय उडान शुरू भेल। मुदा हुसैन क हाल प्रयासक बावजूद अश्विनी चौबे क विरोधक कारण भागलपुर मे हवाई अडडा शुरू नहि भ सकल। कहबा लेल बिहार स एकटा आओर नेता एहि मंत्रालयक मंत्री भेला, मुदा राजीवप्रताप रूडी बिहार लेल किछु करबा स बेसी हवाई जहाज सीखबा मे समय बर्बाद केलथि।
पटना क हवाई अड्डा केवल नाम क अंतरराष्ट्रीय दर्जा लेने अछि। रनवे क विस्तार तक नहि भ सकल अछि। रनवे क लग क गाछ त काटि देल गेल मुदा खतर कम नहि अछि। जखन कि विमान हादसा भ चुकल अछि। राति क लैंडिंग क संकट बरकरार अछि। दिलचस्प गप इ अछि जे एखन धरि एकर काट लेल यात्रीक संख्या क तर्क पेश कैल जाइत छल, मुदा पिछला दू साल स इ तर्क सेहो बेमानी भ गेल। 2009-10 (नवम्बर तक) घरेलू उड़ान क यात्री क संख्या 400682 रहल। एयर इंडिया क जहाज स जाइवाला यात्री क संख्या 35344 (पटना-दिल्ली) आ दिल्ली स पटना अबैवाला क संख्या 48809 रहल। इ 2009-10 (अक्टूबर तक) क ब्योरा अछि। यानी, भरपूर गुंजाइश क बावजूद समुचित व्यवस्था नहि कैल जा रहल अछि।
गया देश क पहिल हवाई अड्डा अछि जाहि ठाम केवल अंतरराष्ट्रीय उड़ान उपलब्ध अछि। बिहारक लोक संग एहि स गंदा मजाक नहि भ सकैत अछि। अंतरराष्ट्रीय उड़ान दायरा सेहो बौद्ध देश तक सिमटल अछि। घरेलू उड़ान शुरू नहि हेबाक मूल मे यात्रीक कमी अछि मुदा आंकडा एकर खिलाफ अछि। बिहार मे छोट-पैघ मिला कए कुल 26 टा एहन हवाई पटटी अछि जाहि पर 26 स ल कए बोईंग 747 तक उतरि सकैत अछि, एकर बावजूद उत्तर बिहार क दरभंगा आ पूर्वी बिहारक पूर्णिया क संग-संग सीवान, मुजफ्फरपुर आ सीमामढी सन जिला मे हवाई सेवा क कोनो सरकारी योजना नहि अछि। मुजफ्फरपुर मे हवाई सेवा क पहल साठ क दशक मे शुरू भेल छल। पताही मे 83 एकड़ मे हवाई अड्डा बनल अछि। सरकारी उदासीनताक कारण दरभंगा आ पूर्णिया हवाई अडडा जर्जर भ चुकल अछि जखन कि आन छोट हवाई अडडा पर चरवाहा ठहलैत रहैत अछि। पूर्णिया आ दरभंगा मे वायुसेना क हवाई अड्डा अछि मुदा एकर उपयोग सेना स बेसी राजनेता करैत छथि। बेगूसराय आ मधुबनी मे हवाई अड्डा क पहचान केवल उजाड़ मैदान स अछि। रनवे खत्म भ चुकल अछि। हवाई अड्डा बक्सर मे सेहो अछि। जमीन पर अतिक्रमण भ चुकल अछि। स्थिति इ अछि जे अंचल कार्यालय तक कए इ पता नहि अछि जे बक्सर हवाई अडडा लग आखिर जमीन केतबा अछि? 2007 मे घेराबंदी क लेल भेटल टका सेहो लौट गेल।
देश मे शायद कोनो एहन राज्य होएत जेकरा लग आजादी स पूर्व बनल-बनायल 26टा हवाई अडडा अछि, मुदा पटना आ गया कए छोडि सबटा आइ चुनाव मे नेताक हवाई जहाज या हेलीकाप्टर उतरबा लेल केवल उपयोगी भ रहल अछि। एहन नहि अछि जे उत्तर बिहारक लोक हवाई जहाजक सेवा नहि लैत अछि। हवाई यात्रा क लेल पैघ संख्या मे लोक आइ पटना या वीरगंज (नेपाल) जाइत अछि।

Tags: airoplanBihardarbhanga

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

कैबिनेट मे राम!

Esamaad Epaper Website

नालंदा विश्वविद्यालय क लेल विधेयक मानसून सत्र मे

Esamaad Epaper Website

नक्सल इलाक क विकास क लेल 2,237.4 करोड़

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि