पटना। बंगलुरु क तर्ज पर जल्द पटना मे सेहो फोन काल पर ऑटो अहांक दलान पर पहुंच जाएत। प्रमंडलीय आयुक्त सुनील बर्थवाल ऑटो चालक संघ क प्रतिनिधि क संग ईजी ऑटो कम्यूनिकेशन सिस्टम क पावर प्वाइंट प्रजेंटेशन देखलाकबाद इ गप कहलथि। बर्थवाल कहला जे ईजी ऑटो सर्विस मे एकटा कॉल सेंटर बनाउल जाएत, जतए फोन करबा पर काल सेंटर पैसेंजर क बताउल पता पर ऑटो पठा देत। ओ कहला जे चालक क सीट क पाछु एलसीडी स्क्रीन लगाया जाएत, जाहि मे विभिन्न कंपनीक विज्ञापन दिखाउल जाएत। इजी ऑटो कम्यूनिकेशन सिस्टम कए एहि विज्ञापन स आय प्राप्त होएत। राहत क गप इ जे नव व्यवस्था मे शामिल होनिहार ऑटो मालिक या चालक कए अपन जेब स एक धेला खर्च नहि करबाक अछि। प्रजेंटेशन देखलाकबाद ऑटो चालक संघ क प्रतिनिधि कहला जे नव व्यवस्था क तहत ऑटो चालक आ पैसेंजर दूनू क फायदा होएत। इतबे नहि प्रमंडलीय आयुक्त कहला जे नव व्यवस्था क तहत तमाम ऑटो चालक क स्वास्थ्य बीमा कराउल जाएत। हुनकर बच्चा क लेल स्कालरशिप क व्यवस्था कैल जाएत। एकर संगहि ऑटो चालकक कनिया सब लेल स्वयं सहायता समूह बनाकए हुनको स्वरोजगार क लेल प्रेरित कैल जाएत। हुनकर द्वारा बनाउल गेल उत्पाद कंपनी क ऑटो मे राखिकए बेचल जाएत। एकरा लेल चालक कए प्रति माह पांच सौ टका क अतिरिक्त राशि देल जाएत।