• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बंगाली स सीखू मातृभाषा प्रेम : सरावगी

April 9, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

दरभंगा। नगर विधायक संजय सरावगी कहला अछि जे मैथिल कए बंगाली स मातृभाषा प्रेम सीखबाक चाही। मैथिली लोक संस्कृति मंच दिस स आयोजित मिथिला महोत्सव क अंतिम दिन जनसमूह कए संबोधित करैत श्री सरावगी कहला जे भाषा आ लिपि स प्रेम कोना करबाक चाही इ जनबा लेल दक्षिण भारत जेबाक काज नहि। मैथिल कए त इ बंगाली स सिखबाक जरुरत अछि। ओ कहला जे लोक अनेक प्रकार स अपना कए मैथिल कहबाक प्रयास करैत छथि, दरभंगा कए मिथिलाक मुख्‍य शहर कहैत छथि मुदा एहि ठाम मैथिली कतहु नहि देखाइत अछि। अगर दरभंगा क लोक कए मैथिली स प्रेम अछि त हर घर, दुकान आ कार्यालय पर मिथिलाक्षर मे बोर्ड लगबाक चाही। ओ कहला जे मैथिली भाषा क विकास लेल एहन डेग उठेबाक जरुरत अछि। ओ कहला जे मिथिला आ मैथिली क विकास लेल ओ सरकार स अनुरोध करताह, मुदा जनता कए सेहो अपन भाषाक प्रति लगाव देखेबाक आवश्‍यकता है। विधायक श्री सरावगी कहला जे आम जनता मे जखन धरि भाषाक प्रति सम्‍मान नहि जागत, सरकार किछु नहि क सकैत अछि। ओ कहला जे ओ मिथिला कए पर्यटन क दृष्टि स विकसित करबा लेल आ अंतर्राष्ट्रीय पटल पर एकरा प्रतिष्ठित करबा लेल सीएम स आग्रह करैत रहलाह अछि। मुदा एहि लेल मिथिला कए सेहो तैयार रहबाक जरुरत अछि। अपन भाषा आ संस्‍कृति क प्रति सम्‍मान जखन धरि नहि प्रकट होएत, क्षेत्र क विकास प्रभावित रहत। एहि अवसर पर मैथिली अकादमी क अध्यक्ष कमलाकांत झा मिथिला क्षेत्र क विधायक क बैसार क मैथिली कए प्राथमिक शिक्षा क माध्यम बनेबाक दिशा मे प्रयास करबाक सुझाव देलथि। एहि अवसर पर डॉ. चंद्रमणि, डॉ. ममता ठाकुर, अणिमा, ओमप्रकाश सिंह, शिखा कुमारी, सोनाली, गोपाल आदि कलाकार अपन गायन स वातावरण कए संगीतमय बना देलथि।

Tags: Bihardarbhangamaithilimithila
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

केंद्र क रहल नदी जोड़ो परियोजना कए धकियेबाक साजिश

Esamaad Epaper Website

मनसे क गीदरभवकी, दहाड लेल नीतीश तैयार

Esamaad Epaper Website

अगिला सत्र स भ सकत छात्र संघ चुनाव

Comments 2

  1. atuleshwar jha says:
    11 years ago

    सरावगीजीक कथन सत्य अछि। यदि हमरा भीतर अपन भाषा आ संस्कृति प्रति भावना नहि रहत तँ सरकार कि करत। मुदा ई जागरण कोना आओत एहि तँ मिथिलाक बुद्धिजीवी लोकनि सोचि रहल होयताह।

    Reply
  2. Prakash Kr. Jha says:
    11 years ago

    Saravgi sahab ke kathan ekdum satya chhainha, muda aam janta ke sang-sang Mithila kshetrak janpratinidhi sabh ke seho aagu ebaak avasyakta chhainha.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि