• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बंगाल प्रेम स बेसी बिहार विरोधी रहल बजट

February 26, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नई दिल्ली । रेल मंत्री ममता बनर्जी द्वारा लोकसभा मे पेश रेल बजट मे बंगाल प्रेम स बेसी बिहार विरोध देखबा मे आयल। ओ बंगाल कए परियोजना देलथि, मुदा खासगप इ रहल जे ओ बिहारक लंबित परियोजना कए एक बेर फेर गतालखाता मे राखि देलथि अछि। एहन मे बिहारक सांसद कए तमसाएब उचित अछि। रेल बजट पेश करबाक दौरान ममता कए अपने देखाउल रास्ता आइ परेशान केलक। संसदक इतिहास मे ममता बनर्जी ओ पहिल सांसद छथि जे रेल बजटक दौरान बेल मे जा हंगामा केने रहथि। ओ समय मे रामविलास पासवान बजट पेश करि रहल छलाह। ओना आइ ममता क भाषणक बीच मे हंगामा करबा लेल ओ सदन मे नहि छथि, मुदा हुनकर अनुपस्थिति मे जनता दल यू क सांसद बिहार क उपेक्षा पर नाराजगी व्यक्त करैत ठार भेजाह। सासाराम स सांसद मीरा कुमार आसन स व्यवस्था देलथि जे बजटक दौरान एहन हंगामा उचित नहि, भ सकैत अछि ओ इ बिसरी गेल छथि जे इ परंपरा आर कियो नहि ममता दीदी क शुरू कैल छी। मुदा जनता दल यू क भूदेव चौधरी, राजीव रंजन सिंह लल्लन और पार्टी क कईटा अन्य सांसद ममता दीदी जेकां बेल मे नहि गेलथि, ओ अपन-अपन स्थान पर ठार भ बजट मे बिहार क अनदेखी करबाक आरोप लगेलथि।
जदयू सदस्य क टोकाटोकी क तृणमूल कांग्रेस सदस्य जखन विरोध केलक, त मामला नोंकझोंक तक आबि गेल। एहन मे जदयू सदस्य कए उत्तेजित होएब स्वभाविक छल।
एहि बीच, रेल मंत्री ममता बनर्जी सदन मे मौजूद पूर्व रेल मंत्री आओर राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद दिस हाथ देखा कहलथि जे लालू जी अहूं त बिहार लेल बहुत किछु देने छलहुं, तखन आइ इ विरोध किया भ रहल अछि। एहि पर लालू कहला जे हम बिहारक संग रेलक सेहो ध्यान रखने रही, रेलक सेहत बना देने रही मुदा अहां एक बेर फेर रेलवे कए आहि स्थान पर ल जा रहल छी जे उचित नहि। अहां स बिहार किछु नव नहि मांगी रहल अछि, हम सब त केवल पूरान परियोजना कए पूरा करबाक मांग कए रहल छी। एहि पर तमतमा रेल मंत्री अपन स्थान पर बैस गेलीह। जाहि पर मधेपुरा स सांसद शरद यादव कहला जे बिहार मे पूर्व घोषित रेल परियोजना क हालत बहुत खराब अछि आओर ओहि पर काज बड धीमा चलि रहल अछि। एहि पर लोकसभा अध्यक्ष मीरा कुमार कहलथि जे बहसक दौरान इ गप करब, एखन ममता कए बजट पेश करए दियउन । एकर बाद ममता अपन भाषण शुरू केलथि।
सवाल उठैत अछि जे छिटपुर रूप मे किया, बिहारक हित लेल दलीय बाधा तोडि सब एक किया नहि भ रहल छथि। पासवान सदन मे नहि छथि, मुदा शाहनवाज कहलथि जे हुनका ममता स कोनो नाराजगी नहि छैन, किया कि भागलपुर पर किछु भेट गेल अछि। कीर्ति चुप छथि किया कि दरभंगा कए दूटा गाडी भेट गेल। मुदा लंबित परियोजना कोनो एकटा संसदीय इलाका स नहि जुडल अछि। पुल हुए या कारखाना एहि स पूरा बिहार कए फायदा होएत। मुदा इ चिंताक गप अछि जे रेल कारखाना लालू आ पुल नीतीशक परियोजना मानि बिहारक नेता राजनीति करि रहल छथि आ पहिने जेकां बिहारक एहि राजनीति क फायदा आन उठा रहल अछि।

Tags: Biharरेल मंत्री ममता बनर्जी
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार कए कैल गेल नजरअंदाज: नीतीश

Esamaad Epaper Website

बिहार क बजट मे आधारभूत ढांचा पर जोर

Esamaad Epaper Website

सामाजिक आर्थिक विकास मे बिहार नंबर दू

Comments 1

  1. Dr. shashidhar Kumar says:
    13 years ago

    कोनो बात नञि हरेक केर समय अबैत छै ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सोहर, कजरी आ नचारी स भेटल सुर समाद

by संपादक
August 24, 2015
0

Read more

रंग स नहायल मिथिला

by संपादक
March 1, 2010
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि