विवादास्पद बयान क बाद विधायक गोपाल मंडल आओर विधान पार्षद राणा गंगेश्वर पार्टी स निलंबित
पटना । विवादास्पद बयान देनिहार नेता पर कार्रवाई करैत जदयू अपन एकटा विधायक आओर एकटा विधान पार्षद कए आय पार्टी स निलंबित कए देने अछि । निलंबित नीरज कुमार मंडल उर्फ गोपाल मंडल भागलपुर क गोपालपुर सीट स जदयू विधायक छथि, जखनकि दोसर नेता राणा गंगेश्वर जदयू क विधान पार्षद छथि । पार्टी क प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह दुनू कार्रवाई क पुष्टि करैत कहलाह जे जदयू हुनका पार्टी स निलंबित कए देने अछि । पार्टी एहि प्रकार क बयानबाजी बर्दाश्त नहि करत । उल्लेखनीय अछि जे सोमवार कए गोपालपुर मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे गोपाल मंडल खुला मंच स बयान दकए अपन राजनीतिक विरोधी कए धमकेने छलाह । हुनकर एहि बयान पर कार्रवाई करैत जदयू हुनका पार्टी स निलंबित कए देने अछि । जानकारी क अनुसार नवगछिया क बाल भारती विद्यालय मे आयोजित कवि सम्मेलन मे मुख्य अतिथि विधायक गोपाल मंडल खुला मंच स कहने छलाह जे आब ओ हत्या की राजनीति करत । ओ कहलथि जे बिहार मे शराबबंदी लागू नहि भए सकत । बिना शराब क होली मे मोन केना डोलत । मौका पर मौजूद भागलपुर सांसद शैलेश कुमार उर्फ बुलो मंडल पर सेहो ओ कटाक्षपूर्ण टिप्पणी केलथि । विधायक गोपाल मंडलक एहि तरहक बयान एबा स विरोधी दल एक बेर फेर स नीतीश सरकार पर हमला बाजि देलक । हालांकि बाद मे मंगलवार कए मीडिया स बातचीत मे ओ एहि मामला पर सफाई देलक आओर कहलथि, हम जानबूझकर ऐना नहि केने छी, ई हमर स्टाइल अछि । हम भाषण देबाक दौरान कनेकटा उत्तेजित भए जाएत छी ।
उल्लेखनीय अछि जे पिछला 28 फरवरी कए सेहो विधायक गोपाल मंडल कहने छलाह जे हमर एकटा पाइर जैल मे रहैत अछि, दोसर बाहर । जखन जेल गेलहूँ तखने नेता बनलहूँ । दोसरा दिस बिहार दिवसक मौका पर मंगलवार कए एकटा कार्यक्रम क दौरान समस्तीपुर मे जदयू क विधान पार्षद राणा गंगेश्वर सेहो एकटा विवादास्पद बयान देने छलाह । समस्तीपुर क पटेल मैदान मे राणा गंगेश्वर अपन संबोधन क दौरान कहलथि कि राष्ट्रगान गुलामी क प्रतिक अछि । ओ कहलथि जे ई गाना हमरा सबहक शोषण केनिहारक गुणगान करैत अछि । राणा गंगेश्वर क एहि विवादित बयान क बाद कार्यक्रम मे मौजूद लोगसभ जमकए हंगामा शुरू कए देलक । बाद मे कार्यक्रम मे मौजूद मंत्री महेश्वर हजारी कए माफी मांगय पड़लाह । ओ कहलथि जे ई गप गलती से राणा गंगेश्वर क मुंह स निकैल गेल छल । जेकरा गंभीरता स लेबाक जरूरत नहि अछि । ओतय मंत्री आलोक कुमार महेता आओर डीएम सेहो मौजूद छलाह ।