• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बदलत इब्राहिम खां मकबरा क सूरत

July 26, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

भागलपुर । पर्यटन विभाग कए धीरे धीरे बिहारक उपेक्षित स्‍थल दिस ध्‍यान जा रहल अछि। एहि क्रम मे उपेक्षित रहल ऐतिहासिक इब्राहिम खां मकबरा क सूरत बदलबाक प्रयास शुरू कैल गेल अछि। एकरा लेल जिला प्रशासन द्वारा कला संस्कृति आ युवा विभाग कए प्रस्ताव पठाउल गेल छल। प्रस्ताव मे कहलगांव स्थित एएसआइ (आकरेलॉजिकल सर्वे ऑफ इंडिया) क कंजरवेटर स मकबराक तकनीकी आ पुरातात्विक पहलू कए सेहो उभारबाक आग्रह कैल गेल छल। कला संस्कृति आ युवा विभाग एहि प्रस्‍ताव कए मंजूर कए आगूक कार्रवाई लेल काज शुरू करि देलक अछि। जिला पदाधिकारी नर्मदेश्वर लाल क अनुसार ऐतिहासिक स्मारक कए चिह्नित करबाक आ अभिलेखीकरण क लेल गठित समिति क रिपोर्ट क आधार पर अन्य स्मारकक जीर्णोद्धार क प्रस्ताव सेहो राज्य सरकार लग पठाउल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे इ’समाद विक्रमशिला समेत जिलाक प्रमुख ऐतिहासिक स्थल आ स्मारक क उपेक्षा पर लगातार समाद प्रकाशित करैत आयल अछि। जिला प्रशासन क एहि कदम स स्‍थानीय लोक क संग पूरा बिहार गदगद अछि। सबहक कहब अछि जे चलू देर स सही मुदा ऐतिहासिक स्थल कए चिन्हित करि ओकर अभिलेखीकरण क लेल समिति क गठन करबा लेल आ इब्राहिम खां मकबरा क जीर्णोद्धार लेल जिला प्रशासन आ कला संस्कृति आ युवा विभाग दूनू धन्‍यवाद क प्रात्र अछि।
इतिहासकार क अनुसार इब्राहिम खां मुगल बादशाह जहांगीर क शासनकाल मे बंगाल क गवर्नर छलाह। जहांगीर क पुत्र शहजादा खुर्रम (शाहजहां) जखन अपन पिता क खिलाफ विद्रोह करि देलथि त एहि विद्रोह कए दबेबा लेल सन 1623 मे जहांगीर इब्राहिम खां कए एहि ठाम पठेलथि। इब्राहिम खां क दोसर नाम फतेह जंग सेहो छल। विद्रोह दबेबाक प्रयास मे इब्राहिम खां मारल गेलाह। जहांगीर क सिपहसलार हुनकर सिर मुगल दरबार मे पठेलक, जखनकि हुनकर शरीर कए गंगा क एहि पार जेकरा आब छोटी खंजरपुर क नाम स सब जनैत अछि, ओहि ठाम दफना देलक। हुनकर मजार कए लाल किला क दीवान-ए-खास क भांति भव्य बनाउल गेल छल। निर्माण क बाद स एखनधरि मात्र एक बेर सन 1845 मे एकर मरम्मत भेल अछि। ओकर बाद स इ ऐतिहासिक इमारत क उपेक्षा कैल जाइत रहल अछि। देखरेख क अभाव मे इ इमारत जर्जर भ चुकल अछि।
आइ उपेक्षाक कारण स मकबरा क चारू दिस अतिक्रमण भ चुकल अछि। एकर दीवार क संग लोक घर तक बना लेने अछि। जिलाधिकारी लाल एकरा अतिक्रमण मुक्त करबाक जिम्मेदारी अपर समाहर्ता कए सौंपलाह अछि। अपर समाहर्ता कहला जे ओ सदर अनुमंडलाधिकारी कए अतिक्रमण हटेबा लेल दिशा-निर्देश देलथि अछि। मकबरा कए अतिक्रमण मुक्त करबा लेल आ ओकर सौंदर्यीकरण करबा लेल जल्द काज शुरू होएत।

Tags: bhagalpurBihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

दरभंगा आ मोतिहारी मे खुलत वी मार्ट क चेन

Esamaad Epaper Website

2224टा महिला क हाथ होएत कमान

Esamaad Epaper Website

35टा संस्कृत विद्यालय कए भेटल मान्‍यता

Comments 1

  1. atuleshwar jha says:
    14 years ago

    ओ समय कहिया आओत जखनि मधुबनीमे अवस्थित भौआडाक किला आ राजनगर आ मधुबनी जिलाक पुरातत्व सँ जुडल वस्तु पुरातत्व विभागक संरक्षण पाओत कारण नहि तँ मिथिलाक इतिहासक चिह्न अतिक्रमण भ जा रहल अछि आ भ जाएत । ई समादकेँ मैथिली आ मिथिलाक प्रति जे चिन्तन देखैत छी ओ मोनकेँ प्रसन्न क दैत अछि धन्यवाद एहि टीमकेँ ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि