• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

बदलत बिहार हाउसिंग बोर्ड क चेहरा

October 11, 2009
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। बिहार राज्य आवास बोर्ड अपन कामकाज क अंदाज बदलि रहल अछि। ओ अपन छवि सुधारबाक कोशिश शुरू करि देलक अछि। एकर तहत बोर्ड प्रदेश मे पैघ संख्या मे अपन बेकार पड़ल जमीन क बेहतर उपयोग करि कए अपन आर्थिक स्थिति सेहो दुरुस्त करबाक काज मे लागि गेल अछि। बोर्ड पटना आ गया मे मार्केट काम्पलेक्स आओर आवासीय इकाई पर ध्यान केन्द्रित करि रहल अछि, ओतहि प्रदेश क अन्य हिस्सा में सेहो नव नीति क तहत लोक कए आवासीय सुविधा उपलब्ध कराउल जा रहल अछि। एकरा लेल आईएलएफएस आओर इंफ्रास्ट्रक्चर डेवलपमेंट अथॉरिटी क मदद लेल जा रहल अछि। अधखर्रु आ जर्जर मकान, भुगतान क नाम पर पेंच जइसन मसला कए लकए बोर्ड क छवि काफी खराब भ चुकल अछि। काफी दिन स गृह निर्माण क काज पर विराम लगल अछि। एकरा देखैत बोर्ड अपन नीति मे आधारभूत परिवर्तन करि रहल अछि। जानकारी भेटल अछि जे पटना क कंकड़बाग मे राजेन्द्र नगर पुल क निकट मार्केट काम्पलेक्स क निर्माण शुरू कैल जा रहल अछि। एहि मेें माल आओर मल्टीप्लेक्स क सेहो प्रावधान रहत। पब्लिक प्राइवेट पार्टनरशिप क आधार पर एहि योजना कए आकार देल जा रहल अछि। । संगहि पटना क एसके नगर मे सेहो जल्द एकटा आवासीय इकाई क निर्माण प्रारंभ भ रहल अछि। दोसर दिस बोर्ड पटना क बहादुरपुर इलाका मे जर्जर हालत वाला जनता फ्लैट, एमआईजी आ एचआईजी क एहन फ्लैटों क एकमुश्त बोली लगेगाक प्रयास मे अछि जेकर पंजी फंस अछि। गया मे एपी कालोनी स सटल 17 एकड़ क प्लाट पर पीपीपी माडल पर मार्केट काम्पलेक्स आ आवासीय इकाई क निर्माण क लेल निविदा आमंत्रित भ चुकल अछि। बोर्ड अपन खाता-बही दुरुस्त करबाक लेल निजी पार्टी क मदद ल रहल अछि। सूत्रों कहैत अछि जे हाउसिंग कए ल कए ओकर अनुभव ठीक नहि रहल अछि । लोक फ्लैट आवंटन क लेल प्रारंभिक राशि त जमा करि दैत अछि, मुदा बाद मे भुगतान अनियमित भ जाइत अछि या रुकी जाइत अछि। बोर्ड क पाई फंसि जाइत अछि। एहि परेशानी कए देखैत बोर्ड आब अपन पाई लगेबा स बचैत ऋण क लेल बैंक स समन्वय स्थापित करबाक फैसला केलक अछि। बैंक आ मकान लेनिहार दूनूक बीच मे आब बोर्ड नहि रहत । फ्लैट बनाकए बेचबाक बदला मे बोर्ड आब जमीन मुहैया कराउत। बिल्डर कए सेहो एहि मे मदद लेल जा रहल अछि। तत्काल डालमियानगर, समस्तीपुर, छपरा, दरभंगा क लहेरियासराय, गया आओर मुजफ्फरपुर मे नव योजना क क्रियान्वयन पर काज चलि रहल अछि।

Tags: Bihardarbhangapatnasamastipurपटनाबिहारबिहार राज्य आवास बोर्ड
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

सुलभ दूर करै कलावतीक चिंता

Esamaad Epaper Website

मिथिला चित्रकला : अर्थक अधिकता आ सार्थकता

विक्रमशिला कए विकास लेल तैयार भेल सरकार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि