नव व्यवस्था मे विद्यालय क लेल अनुदान लेब नहि रहल आसान
स्वतंत्र छात्र क परीक्षा परिणाम पर नहि भेटत आर्थिक सहायता
15 फरवरी तक मांगल गेल उपयोगिता प्रमाणपत्र
पटना । वित्तरहित माध्यमिक आ उच्च माध्यमिक विद्यालय क प्रबंधन क लेल एहि वर्ष अनुदान लेब दुष्कर होएत। आब स्वतंत्र छात्र क परीक्षा परिणाम पर अनुदान राशि क गणना नहि कैल जाएत। नियम कए कठोरता स लागू करबाक निर्देश देल गेल अछि। राज्य सरकार अनुमति-प्रस्वीकृति प्राप्त वित्तरहित माध्यमिक आ उच्च माध्यमिक विद्यालय क शिक्षक क वेतन क भुगतान क इरादा स नियम कए शिथिल करैत प्रबंधन कए अपन फार्मूला क तहत 2008-09 क परीक्षा मे सफल छात्र-छात्रा क रिजल्ट क आधार पर अनुदान क राशि विमुक्त करि देलक। मुदा कागजात तैयार करबा मे प्रबंधन क स्तर पर धांधली क शिकायत क मद्देनजर एहि बेर अनुदान देबाक नियम- परिनियम सख्त कैल गेल अछि। मानव संसाधन विकास विभाग संबंधित संस्थान क प्रबंधक कए निर्देश देलक अछि जे ओ निर्धारित प्रपत्र मे पूर्व मे भेटल अनुदान राशि क उपयोगिता प्रमाणपत्र विभाग कए उपलब्ध कराउ। हुनका कहल गेल अछि जे ओ चार्टर्ड एकाउंटेंट स प्रदत्त राशि क अंकेक्षण प्रतिवेदन विभाग कए 15 फरवरी तक उपलब्ध करा दथि। नहि त वित्तीय वर्ष 2009-10 क अनुदान स्वीकृत नहि कैल जाएत।
अनुदान क फार्मूला मे एहि संशोधन क बाद आब नियमित छात्र क तौर पर संबंधित विद्यालय स प्रथम, द्वितीय आ तृतीय श्रेणी मे उत्तीर्ण छात्र-छात्रा क आधार पर अनुदान राशि विमुक्त कैल जाएत। संबद्ध डिग्री कॉलेज क शासी निकाय कए सेहो निर्देश देल गेल अछि जे ओ 26 फरवरी तक पूर्व प्रदत्त राशि क उपयोगिता प्रमाणपत्र आ चार्टर्ड एकाउंटेंट स कराउल गेल अंकेक्षण प्रमाणपत्र विभाग कए पठा देल जाए। अन्यथा, अगिला अनुदान विमुक्त नहि भ सकत।