• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बदली रहल अछि आम आदमी

January 15, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

दरभंगा। देश भरि मे इ विवाद विषय अछि जे बिहार बदली रहल अछि। हर आदमी अपन अपन स्‍तर स एकर व्‍याख्‍या क रहल छथि। दरअसल बिहार स बेसी बिहारक समाज बदलि रहल अछि। कोनो राज्‍य लेल ओकर समाजक बदलब एकटा एहन बदलाव होइत अछि जे ओकरा एकटा नव युग मे प्रवेश करबाक मौका दैत अछि। कोनो समाज मे व्‍यक्तिक सबस छोट स्‍वार्थ होइत अछि जमीनक अतिक्रमण। इ समाजक ढांचागत विकास मे सबस पैघ बाधा मानल जाइत अछि। बिहार मे अतिक्रमण कालाजार सन बीमारी अछि जे कहिया स अछि एकर जानकारी ककरो लग नहि अछि। अतिक्रमण हटेबा लेल कई बेर प्रशासन कार्रवाई केलक, मुदा ओ नहि हटल बल्कि बढैत गेल। मूर्ख त मूर्ख पढल लिखल लोक तक मे अतिक्रमण एकटा संस्‍कार भ गेल छल। जे जेतबा जमीन कब्‍जा केलक ओ ओतबा पैघ लोक मानल गेल। एहन हालात मे कई बेर अतिक्रमण हटेबा लेल गेल प्रशासन कए बल प्रयोग तक करबा लेल बाध्‍य हुए पडैत छल, तथापि ओ सफल नहि होइत छल। कारण साफ छल समाज एकरा लेल तैयार नहि छल।
सरकार आ प्रशासन बदलैत रहल मुदा समाज नहि बदलल। ठहरल पाइन जेना सडैत रहल। ओकरा मे कोना गति नहि देखल जा रहल छल। मुदा समय चक्र घुमल आ समाज सेहो अपना कए बदलबाक कोशिश क रहल अछि। किछु लोक एकरा सरकारक बदलाव कहि रहल छथि त किछु लोक एकरा प्रशासनक बदलाव। किछु गोटे एहि मे बिहारक बदलाव देख रहल छथि, मुदा देखल जाए त बहुत दिनक बाद समाज मे एहि स्‍तर पर बदलाव भ रहल अछि जे सब किछु पर अपन असर देखा रहल अछि। एकर छोट स उदाहरण दरभंगा मे देखबा मे भेटल। आइ स पांच साल पहिने बाट लेल भगवान कए हटेबा लेल तैयार समाज आइ बाट लेल दुकान सेहो हआ रहल अछि। पांच साल पूर्व इसमाद जखन इ समाद कहने छल जे इस्‍ट वेस्‍ट कारिडोर लेल समाज 53टा मंदिर आ 17टा मजार कए अपन हाथ स हटा रहल अछि त दुनिया के एक बेर मे विश्‍वास नहि भेल छल। एक बेर फेर दरभंगा मे किछु एहने अविश्‍वसनीय घटना घटल अछि। डीएमसीएच क सामने रोड क मरम्‍मत भ रहल अछि। रोड कए दू लेन मे बदलल जा रहल अछि। एखन मे ओहि ठाम भेल अतिक्रमण बाधक बनि रहल छल। प्रशासन एहि लेल जखन एकटा अपील केलक एक दिनक भीतर बिना कोनो चर्च केने सबटा दुकान समेट लेल गेल। वार्ड आ अस्पताल रोड पर कोनो दुकान नहि रहल। प्रशासन चौंक गेल अछि ओकरा इ बदलाव बुझबा मे नहि आबि रहल अछि जे आखिर जाहि काज लेल पहिने बल प्रयोग त कैल जा चुकल अदि ओ काज बिना कोनो चेतावनी कए भ गेल। पुलिस क मदद लेल लिखल गेल पत्र कोनो काजक नहि रहल। अतिक्रमणकारी कए हटेबा लेल तैयार जीप ढार रहि गेल। ज्ञात हुए जे शिशु रोग वार्ड स आउट डोर क पूरा परिसर अवैध दुकान स भरल छल। एहि दुकानक कारण सडक पर चलब कठिन भ जाइत छल। बिना कोनो बल प्रयोग कए अपने आप दुकान हटेबा क एहि छोट सन काज दरभंगा कए आन शहर स अलग संस्‍कार वाला शहर बना देलक अछि। उम्‍मीद कैल जाए इ संस्‍कार बनल रहत आ शहरक नाला पर बनल पढल लिखल लोकक कब्‍जा सेहो एहिना स्‍वत: हटाउल जाएत।

Tags: Bihardarbhangamithila
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

मार्च मे शुरू होएत मुजफ्फरपुर-सीतामढ़ी रेललाइन

Esamaad Epaper Website

मुख्‍यमंत्री देखलाह कालिदासक डीह

धरोहर बचेबा लेल आगू आयल जनता

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि