पटना। ऊर्जा विभाग क प्रधान सचिव रविकांत ऊर्जा क्षेत्र मे चलि रहल काज क समीक्षा केलथि। एहि बैठक मे बरौनी-कांटी थर्मल पावर मे नव केन्द्र क स्थापना मे आबि रहल अड़चन कए दूर करि काज मे तेजी अनबाक निर्देश देल गेल। संगे राज्य क अन्य हिस्सा मे नव उत्पादन केन्द्र क लगेबा क लेल चलि रहल काज क विस्तार से जानकारी प्राप्त कएल गेल। ऊर्जा सचिव राजधानी क बिजली आपूर्ति कए नियंत्रित करै वाला स्काडा सेंटर क चालू हेबा मे आबि रहल परेशानी क बारे मे विस्तार स जानकारी लेलथि। जाहि ठाम बोर्ड अधिकारीक कहब छल जे पावर ग्रिड तैयार नहि अछि ओहि ठाम पावर ग्रिड क अधिकारीक कहब छल जे स्काडा सेंटर बनि कए तैयार अछि। पावर ग्रिड क अधिकारी मैनपावर उपलब्ध नहि करेबाक संगहि कई तरहक क आरोप लगउलाह। ऊर्जा सचिव बोर्ड अधिकारी कए निरीक्षण करबाक निर्देश देलथि।
ऊर्जा सचिव पिछला 31 मार्च कए बंद एपीडीआरपी योजना क प्रथम फेज क काज क सेहो समीक्षा केलाह। बोर्ड अधिकारी कहला जे स्काडा सेंटर, भूमिगत केबलिंग क काज कए रोकल नहि जा सकैत अछि। पावर ग्रिड क अधिकारी ऊर्जा सचिव कए कहला जे भूमिगत केबलिंग क काज जनवरी माह तक पूरा करि लेल जाएत। समीक्षा बैठक मे बिजली बोर्ड क अध्यक्ष स्वपन मुखर्जी, सचिव आरपी श्रीवास्तव, सदस्य आरके शर्मा, पेसू महाप्रबंधक सीएल प्रकाश, एरिया बोर्ड क महाप्रबंधक एसपी सिंह संगे बोर्ड मुख्यालय आ पेसू क अभियंता शामिल छलाह।