• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिपाशा किया सीख रहल छथि बिहारी भाषा

March 5, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021


मुंबई। मुंबई फिल्म उद्योग बिहार कए बदनाम करबाक कोनो मौका नहि छोडि़ रहल अछि। एक दिस बिहारक पहिल मुख्यमंत्री श्रीकृष्ण सिंह स भेल गलतीक फायदा उठा बिहारी भाषा नामक एकटा असभ्य भाषा बिहार पर थोपल जा रहल अछि, ओतहि विवादास्पद आ अलोकप्रिय प्रथा कए बिहारक नाम पर परोसल जा रहल अछि। पिछला दू साल मे हरियाणा, राजस्थान आ उत्तरप्रदेश मे ऑनर किलिंग क कईटा घटना घटल अछि। पिछला सप्ताह सेहो खाप पंचायत क फैसला आयल अछि। मुदा मुंबई फिल्म उद्योग एहि समस्या कए बिहार पर थोपबाक प्रयास मे अछि। बिपाशा बसु बिहार मे ऑनर किलिंग पर केंद्रित प्रियदर्शन क अगिला फिल्म क लेल बिहारी भाषा सीख रहल छथि। बंगाली फिल्मकार सपन घोष एहि संबंध मे कहला जे मुंबईक फिल्मकार क मानब अछि जे एहन विषय अगर बिहारक पृष्टïभूमि मे देखाउल जाइत अछि त दर्शक कए ओकरा मे बेसी विश्वसनीयता लगैत अछि। एकरा कहां बिहारक प्रति पूर्वाग्रह सेहो मानि सकैत छी। मुदा बाजार मे बिहार बिकाइत अछि।
सवाल अछि बिहार मे भोजपुरी, मगही आ मैथिलीक संग-संग बज्जिका आ अंगिका सन बोली सेहो बाजल जाइत अछि, मुदा बिहारी भाषा क जन्म कहिया आ कखन भ गेल इ कोनो भाषाविद कए पता नहि अछि, मुदा मुंबई मे बैसल फिल्मकार कए पता अछि। सवाल उठैत अछि जे बिहार मे कोनो खाप पंचायत नहि अछि आ नहि कोनो हाल-फिलहाल मे ऑनर किलिंगक मामला सामने आयल अछि। त कि दुनिया कए हरियाणा सन धनि प्रदेशक एहि विकृत छवि स बचेबा लेल बिहार कए बदनाम कैल जा रहल अछि। भोजपुरी कलाकार पंकज तिवारी कहब अछि जे गरीब बिहारक बदनामी होइत रहल अछि। जेना हॉलीवुड मे स्लमडॉग… कए प्रसंशा भेटैत अछि तहिना बिहारक पृष्ठभूमि पर बनल फिल्म बनबा स पहिने कलात्मक भ जाइत अछि। एहि लेल बिपाशा कहैत छथि, ‘हमर द्वारा निभाउल गेल एखन धरि क किरदार क लिहाज स इ एकटा पैघ बदलाव होएत। हम सूती साड़ी मे बिना कोनो मेकअप क परदा पर नजरि आयब। एकरा लेल हम बिहारी भाषा सीख रहल छी, ताकि अपन संवाद मे स्थानीय पुट आनि सकी।Ó एकटा जमाना ओ छल जहिया तीसरी कसम बनैत छल, आइ एहन सिनेमा बनि रहल अछि जाहि मे बिहारक एहन छवि देखेबाक प्रयास भ रहल अछि जे छवि बिहार क नहि अछि, बल्कि दोसर राज्य मे एकटा पैघ समस्या बनल अछि।

Tags: Biharbipashfilm
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

नबीनगर लेल कोयला आवंटन कए मंजूरी

Esamaad Epaper Website

पांचम बेर लोजपा क अध्यक्ष बनलाह रामविलास

Esamaad Epaper Website

एना त बनि गेल राहुल बाबू अहांक कांग्रेस

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सोहर, कजरी आ नचारी स भेटल सुर समाद

by संपादक
August 24, 2015
0

Read more

रंग स नहायल मिथिला

by संपादक
March 1, 2010
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि