• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

बिहारक बदलैत चेहरा – पूरा भ रहल अछि पैघ परियोजना

January 13, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । एकटा पुरान चीनी फकरा अछि-अगर देश कए अमीर बनेबाक अछि,त सबस पहिने पुल बनाउ। बिहार मे गंगा, सोन आ कोसी पर चारिटा महासेतु बनि रहल अछि। रेल चक्का कारखाना आ एम्स निर्माण प्रगति पर अछि। एकर अलावा कईआ एहन प्रोजेक्ट अछि जे आब धीरे-धीरे पूरा भ रहल अछि आ अगिला एक-दू साल मे पूर्ण ीा जाएत। इ तय अछि जे एकर पूर्ण भेला स राज्य मे युगांतकारी बदलाव देखबा लेल भेटत। आधारभूत निर्माण कए आर्थिक विकास स सीधा संबंध अछि। सडक आ पैघ संख्या मे छोट-छोट पुल-पुलिया अपना असर न सिर्फ चुनाव मे देखेलक, बल्कि ओहि स कही बेसी इ लोकक जीवन मे बदलाव कए सेहो दिखा रहल अछि। आब निर्माण क इ महाप्रयास बिहार कए विकसित राज्य बनेबाक वाहक बनबा लेल तैयार अछि
सबस पहिने गप करि जहानाबाद क माओ स मैकाले तक क सफर तय करबा लेल इ शहर पता नहि केतबा लाश कए देखलक। आब अरवल – सहार क बीच पुल बनैत देरी मगध क अरवल, जहानाबाद, नालंदा आ पटना जिला क एकटा हिस्सा, भोजपुर, रोहतास आ बक्सर जिला स सीधे जुडि जाएत। अगर भोजपुर-रोहतास कए धान क कटोरा कहल जाइत अछि त नालंदा कए अहां आलू क कटोरा कहि सकैत छी। पुल दूनू क्षेत्र कए जोडत, जाहि स एहि ठामक अर्थव्यवस्था कए आओर मजबूती भेटत। जिनका बिहार क नदीक जानकारी अछि, ओ जानैत छथि जे सोन नद (सोन पुलिंग अछि) क पाट बहुत चौडा अछि। नाव स नद कए पार करलाक बाद सेहो दूनू दिस काफी दूर तक पैदल चलए पडैत अछि। मुदा आब इ कष्ट खत्म भ जाएत। फरवरी, 2011 तक एकर निर्माण भ जाएत। तखन जहानाबाद -आरा क दूरी महज 50 किलोमीटर रहि जाएत। फिलहाल इ दूरी लगभग 120 किलोमीटर अछि।
97.42 करोड क लागत स बनिरहल इ पुल 1980 मीटर लंबा आ 12 मीटर चौडा अछि। नद क दूनू हिस्स क जुडला स व्यापार मे त वृद्धि हेबे करत संग-संग सामाजिक आ सांस्कृतिक संबंध सेहो मजबूत होएत
एहिना सोनपुर -दीघा रेल पुल सह सडक बनलाक बाद राजधानी पटना स एक दसि छपरा होइत उत्तरप्रदेश क गोरखपुर-बलिया, त दोसर दिस प्रदेश क मुजफ्फरपुर आ अन्य जिला सीधा जुडि जाएत। पुल क सुपर स्टक्चर क काज शुरू भ गेल अछि। 2013 स एहि पुल पर रेल आ बस सरपट दौडत। देश मे बनल एखन धरिक पुलक तुलना मे एहि मे सबस बेसी स्टील क उपयोग भ रहल अछि।
बिहार मे बनि रहल एकटा पुल दूटा भाग कए जोडत जेकरा कवि आ साहित्यकार कहियो अलग नहि करि सकल। आरा आ छपरा क मिलान एकटा सपना सन छल। दूनू कए गंगा मइया बांट रखने छलीह। आब पुल बनेलाक बाद इ दूरी सदा क लेल खत्म भ जाएत। गंगा नदी पर आरा-छपरा कए जोडबा लेल बहु प्रतीक्षित गंगा पुल क कार्य युद्ध स्तर शुरू भ गेल अछि। अधिकारी, इंजीनियर आ मजदूर क अवाजाही देख लोक गदगद अछि। पुल क चर्चा स अंगनाक माहौल खुशनुमा भ जाइत अछि। नहियर जेबा लेल आब लंबा इंतजार या नावक सहारा स मुक्ति भेट जाएत। पुल बबुरा आ डोरीगंज तिवारी घाट कए जोडत। पुल बनला स उपेक्षित दियारा क्षेत्र क विकास त हेबे करत संग-संग शाहाबाद आ सारण क संग नेपाल आ उत्तर प्रदेश क संस्कृति कए जोडबा क काज सेहो करत।
एहिना अगर अहां छपरा जेबाक मौका पाबि त ओहि ठाम जा चौंकब नहि! पहिल नजरि मे ओ नोएडा लागि सकेत अछि मुदा ओ सारण जिला क बेला गांव अछि। जगमग करैत रोशनी। ऊंच-ऊंच चिमनि आ सरपट दौडैत लॉरी क दरम्यान यूनिफॉर्म, हेइमेट आ सेफ्टी बेल्ट पहिरने काज करैत देश भरिक मजदूर। इ सब एहि पूरा इइाका क लेल बिल्कुल नव अछि। फैक्टरी क काज लगभग संपन्न अछि आ एहि सालक अंत तक उत्पादन सेहो शुरू भ जाएत।

Tags: बिहार
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

.

Esamaad Epaper Website

गांगेय डाल्फिन देख झूमि उठला विश्व बैंक क अध्यक्ष बी जोएलिक

Esamaad Epaper Website

मुजफ्फरपुरी लहठीक बारकोड देबाक काज शुरू भेल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिजली क ग्रिड फेल, सरकार पास!

by संपादक
August 7, 2012
0
Esamaad Epaper Website

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि