• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहारक विकास बिहारी करत: नीतीश

March 3, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे बिहारक विकास कोनो बाहरी लोक क भरोसे नहि भ सकैत अछि। अगर बिहारक जनता राज्य कए बीमारू राज्य स बाहर निकाली सकैत अछि त बिहार कए विकसित बनेबा लेल सेहो सक्षम अछि। राज्य क विकास लेल स्थानीय उद्यमी कए आगू एबा लेल न्योत दैत नीतीश कहला जे राज्य क उद्यमी दिस स एहि ठाम भ रहल निवेश राज्य क सूरत बदलि रहल अछि आ राज्य कए आगू बढा रहल अछि। मुख्यमंत्री पटना मे बिज़नेस स्टैंडर्ड क समृद्धि कार्यक्रम मे मुख्य अतिथि क रूप मे बाजि रहल छलाह। नीतीश कुमार कहला- राज्य मे टका सबस पहिने एहि ठामक लोक कए लगबए पडत। विकसित बिहार लेल बिहारी कए सामने आबै पडत कियो आओर नहि आउत, विकासक चाबी राज्यक जनता आ उद्यमी लग अछि। जखन धरि राज्यक लोक टका नहि लगाउत, तखन धरि बाहरि लोक सेहो टका लगेबा स भगैत रहत। शुरुआती निवेश बिहार क अपन उद्यमी कए करबाक अछि। अहींक कोशिश स प्रभावित भ कए बाहरी लोक सेहो बिहार दिस आकर्षित हेताह।
नीतीश कहला, आइ बिहार क विकास क चर्चा चारू दिस अछि। हम एकर श्रेय नहि ल सकैत छी। हम त बस एकरा लेल वातावरण बनेबा मे जे भ सकल केलहुं। असल काज त जनता क अछि, जे एकटा एहन सरकार चुनलक जे ओकर अनुरूप काज कए रहल अछि। दरअसल, इ वोट जनता हमरा काज करबा लेल देलक अछि आ हम ओकर उम्मीद पर खरा उतरबाक कोशिश बस करि रहल छी।
ओ राज्य क विकास क लेल बुनियादी ढांचा पर सेहो जोर देलथि। मुख्यमंत्री कहला- सबस पहिने त हमरा बुनियादी चीज कए गढबाक अछि। सड़क क निर्माण स ल कए बच्चा स्कूल जा पाउत आ बीमार अस्पताल। हमर लक्ष्य समाज क हाशिया पर ठार लोक तक विकास कए ल जेबाक अछि।
नीतीश कहला- एकरा लेल हम सबस पहिने बु्नियादी चीज पर जोर देलहुं। हम लोक क मन स डर क भाव खत्म केलहुं। बिहार मे टकाक कमी नहि छल। कारोबार सेहो छल आ लोकक आमदनी सेहो ठीक ठाक छल। संगहि उत्पादन सेहो होइत छल। हालांकि, सुरक्षा क कमी क वजह स लोक निवेश करबा स बचैत छल। जान जोखिम मे पडबाक डर स कारोबारी तेजी स राज्य स पलायन करि रहल छल। हम लोक कए सुरक्षा देबाक भरोस द रहल अछि। हुनका आजादी द रहल अछि जे ओ अपन सुविधा स निवेश करि सकथि। माहौल बदलल आओर आइ बहुत लोक वापस राज्य क दिस रुख करि रहल अछि। ओ ओहि बाट क तलाश करि रहल छथि, जेकर माध्यम स ओ राज्य मे निवेश करि सकथि।
नीतीश कहा- एकर बाद हम सड़क पर अपन ध्यान केंद्रित केलहुं। कोनो देश या राज्य क विकास मे सड़क क योगदान काफी होइत अछि। यातायात क सुविधा विकसित हेबाक चाही। एकर फायदा समाज क आखिरी शख्स तक कए भेटैत छैक। आइ बिहार क सड़क ठीक भ रहल अछि। राष्ट्रीय राजमार्ग क हालत कए सुधारबा लेल हम अपन खजाना स 1,000 करोड़ स बेसी खर्च केलहुं अछि ताकि ओकरा चलबा लायक बनाउल जा सकए। हम आब मुख्यमंत्री साइकिल योजना क लेल सेहो बच्चा कए 2,500 टका द रहल छह, जखकि पहिने इ रकम केवल 2,000 छल।

Tags: Biharpatnaनीतीशपटनाबिहार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे पर्यटन कए बढ़ावा लेल बनत सूफी सर्किट: सुबोध कांत

Esamaad Epaper Website

मिथिला मे भोजन करतथि राष्ट्रपति

Esamaad Epaper Website

ममता क नायककेन्द्रित सांस्कृतिक खेल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि