• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

“बिहारक स्थापित छवि दुनियाक सबस पैघ झूठ अछि”

March 12, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

मुजफ्फरपुर। मुंबई मे बिहार क बारे मे जे सुनने रही, ओ कोनो डरावना सपना सन छल, मुदा हकीकत मे जे बिहार कए देख रहल छी, ओ खूबसूरत आ सुहावना अछि। बिहार स बाहर एकर स्थापित छवि दुनियाक सबस पैघ झूठ अछि। इ कहब अछि मराठी माटी क हिन्दी फिल्म क चर्चित संगीतकार स्नेहा खानवरकर क। स्नेहा एक माह क बिहार प्रवास पर छथि। एआर रहमान स हिन्दी फिल्म मे संगीत क जे एकटा नव युग क सूत्रपात भेल अछि, ओहि स युवा संगीतकार मे जमीन स जुड़ल संगीत क प्रस्तुति कए लकए एकटा जुनून अछि। अपन एहि जुनून क संबंध मे स्नेहा कहैत छथि जे बिहार क संबंध मे तमाम प्रकार क गप सुनने रही, बिहार एबाक हिम्मत नहि होइत छल, मुदा जखन फिल्म वासोपुर साइन केेलहुं त ओकरन् कहानी आ पृष्ठभूमि देखि कए लागल जे मुंबई मे बैसकए एकर संगीत क प्रस्तुति करब बेमानी होएत। संग-संग अपन कला साधना क अपमान सेहो। लिहाजा हम बिहार एबाकठानी लेलहुं आ हमर इ यात्रा जिनगीक सबस पैघ खोज छी।
फिल्म ‘एलएसडीÓ स कॅरियर कए गति देनिहारि स्नेहा कहैत छथि जे हम बुझैत छेलहुं जे बिहार मे भोजपुरी गीत क तड़का मात्र अछि, मुदा एक सप्ताह मे हमर सबटा सोच बालूक महल जेना ध्वस्त भ गेल। एहि ठामक संगीत मे जे मिठास आ संवेदनशीलता अछि ओकर गहराई मापब कोनो कला साधक क लेल चुनौती अछि आ ओकर सौभाग्य सेहो। बेरई गांव क मुसहर टोला मे कारिख महाराज स जुड़ल आस्था आ भक्ति क गीत सुनालाकबाद स्नेहा सुधबुध हेरा बैसलीह। ‘वासोपुरÓ फिल्म क संगीत देबाकतैयारी मे एक माह क प्रवास पर आयल खानवरकर कहैत छथि जे एहि फिल्म क कहानी 80 क दशक क अछि। माफिया परिवार क चारि पीढ़ी क कहानी एहि फिल्म क पृष्ठभूमि अछि। लिहाजा फिल्म क संगीत मे बिहार झारखंड क माटी क खुशबू स महकेबाक जिम्मेदारीहुनकर अछि। एहि फिल्म मे बिहारी शैली क संगीत त हेबे करत संग-संग साज-आवाज क दुनिया सेहो बिहारी प्रतिभा स निखरत। ओ कहलीह जे फिल्मक कहानी मे बिहार क असली चेहरा तकबा मे दिक्कत भ सकैत अछि, मुदा फिल्म मे बिहारी संगीत क एहन पुट भेटत जाहि स देश-विदेश मे जे सुनत ओकर बिहार क बारे मे धारणा बदलि जाएत।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहटा मे खुलत सिविल डिफेंस क प्रशिक्षण केन्द्र

Esamaad Epaper Website

जदयू मे अहम फैसला लेल नीतीश अधिकृत

Esamaad Epaper Website

बिहार मे आब 24 घंटा मौसम क जानकारी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि