• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहारी चलल अपन देस, लुधियाना मे मजदूर क टोटा

January 6, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021


गिरिजेश

लुधियाना। बिहारी मजदूर पर लुधियाना मे भेल हमला क बाद करीब दू लाख मजदूर लुधियाना कए अंतिम प्रणाम कहि बिहार लौट चुकला अछि। कमोवेश एतबे मजदूर लौटबाक मन बना चुकल छथि। मजदूर क एहि कदम स लुधियाना मे मजदूर क टोटा भ चुकल अछि। करीब आठ लाख बिहारी मजदूर लुधियाना मे कार्यरत छलाह, जाहि मे स आधा या त लौट गेलाह या लौटबाक प्रक्रिया मे छथि। बदलल परिस्थिति मे जतए पैघ कारखाना मजदूरक मेहनताना मे बीस फीसदी तक बढ़ोतरी करि देलक अछि, ओतहि छोट-मोट उद्योग मजदूरक कमी क कारण बंद भ रहल अछि। मजदूर कए रोकबा लेल पैघ उद्योगपति एड़ी-चोटी एक केने छथि। विभिन्न प्रकार क प्रलोभन आ सुरक्षा क गारंटी देबा लेल नव-नव घोषणा करि रहल छथि, जाहि मे बैंक स वेतन क भुगतान आ कारखाना परिसर मे मकान क आवंटन प्रमुख अछि। एहि दिस मे पहल करैत लुधियाना क चारि टा पैघ कंपनी कारखाना परिसर मे मजदूर लेल मकान क निर्माण शुरू करि देलक अछि। तथापि मजदूर सहमल छथि आ ट्रेन मे अपन आरक्षण बाट ताकि रहल छथि। मजदूर क कहब अछि जे लुधियाना क उद्यमी इ सब बिहारी मजदूर पर प्रेम उमड़बाक कारण नहि करि रहल अछि। हुनका त अपन खसैत उत्पादन क चिंता अछि। फैक्ट्री बंद हेबाक भय अछि। समय पर निर्यात ऑर्डर पूरा नहि करबा पर आगू स ऑर्डर नहि भेटबाक आशंका अछि। किया कि पिछला एक मास स खौफ क साया मे रहि रहल बिहारी मजदूर रोजाना हजार क संख्या मे लुधियाना स पलायन करि रहल अछि। एखनि धरि 25 फीसदी श्रमिक लुधियाना स जा चुकल छथि आ हुनकर जेबाक सिलसिला जारी अछि। पिछला 15 तारीख कए फैक्ट्री स दरमाहा भेटलाक क बाद मजदूर क पलायन तेज भ गेल अछि। ओना कुहासा क कारण कई टा टे्रन रद्द भेला स गति किछु धीमा भेल अछि। ओना लुधियाना स बिहार जाइ वाला कोनो ट्रेन मे भरि जनवरी कोनो जगह नहि अछि। कुल 45 लाख क आबादी वाला लुधियाना मे एक तिहाई लोक बिहार आ उत्तर प्रदेश क छथि। बिहारी श्रमिक क पलायन रोकबा लेल लुधियाना क उद्यमी पुरजोर कोशिश करि रहल छथि। इंजीनियरिंग पाट्र्स निर्यात प्रोत्साहन परिषद क पदाधिकारी एचपी रल्हन कहैत छथि जे एहि ठाम काज करनिहार श्रमिक भीतर स भयभीत भ चुकल छथि। हुनकर विश्वास उठ चुकल अछि। हम उद्यमी पुलिस प्रशासन पर लगातार हुनकर विश्वास कए वापस अनबा लेल दबाव बना रहल छी। एहि मजदूर क पलायन क लेल पूर्ण रूप स कमजोर कानून-व्यवस्था जिम्मेदार अछि।

Tags: bihari
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

सूचना प्रौद्योगिकी क्षेत्र मे बिहार कए भेटत पैकेज

Esamaad Epaper Website

मिथिला दर्शन पत्रकारिता पुरस्कारक घोषणा

मोदी बनाम मोदी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

बेसी पढ़ल गेल

दरभंगाक रंगमंचक अन्हार दुर कए रहल छथि‍ प्रकाश

by संपादक
December 22, 2017
0

Read more

तिरहुतक पहिल कारोबारी शहर छल नाथपुर

by संपादक
March 15, 2018
0

Read more

अध्यात्मिक और शैक्षणिक दृष्टिकोण सँ प्रख्यात रहल अछि लोहना पाठशाला 

by संपादक
September 4, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि