• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहारी व्यंजन बनि गेल ब्रांड

March 24, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter


पटना। एखन धरि बिहारी व्यंजनक रूप मे मात्र लिट्टी-चोखा मानल जाएत छल, मुदा बिहार दिवसक मौका पर गांधी मैदान मे बिहारक कईटा आओर व्यंजन हंगामा मचौने अछि आ ओ अपन ब्रांड स्थापित करि लेलक अछि। एहि लेल आयोजनकर्ता एहि व्यंजनक दाम सेहो कम रखने छथि। स्टनॅल पर भीड़ खूब अछि। आम तौर पर त्योहार आ खास आयोजन मे बनैवाला बिहारी व्यंजन क स्वाद लेबा लेल दूर-दूर स लोक गांधी मैदान पहुंच रहल अछि। एहि दौरान लोक अपन गाम क गप सेहो खूब करैत रहैत अछि।

मधुबनीक दाल-पूड़ी क संग मखाना क खीर
व्यंजन मेला क सबस पैघ आकर्षण मधुबनीक दालपूड़ी आ मखाना क खीर अछि। दूटा दालपूड़ी एक प्लेट मे उपलब्ध अछि, जखनकि मखाना क खीर अलग स भेट रहल अछि। महंगाईक एहि युग मे इ अहांकजेब पर सेहो भार नहि दैत अछि। दस टका प्लेट भेट रहल दालपूड़ी। एहि स्टॉल पर सबस बेसी भीड़ अछि।

मुजफ्फरपुर क फ्राइ चूड़ा विद ड्राइ मीट
मेला मे मुजफ्फरपुर क फ्राइ चूड़ा और ड्राइ मीट सेहो लोक कए खूब भा रहल अछि। सत्तर टका मे फूल प्लेट आ चालीस टका मे हाफ। फूल प्लेट मे मटन क चारि टा पीस आ हाफ मे दूटा। संग मे चूड़ा। पटना क लोक कए पहिल बेर कोनो मेला मे चूड़ा क संग एहि तरह क मटन क कांबिनेशन परोसल गेल अछि।

समस्तीपुरक गुड़ क जलेबी आ मालपुआ
देसी स्वीट डिश क शौकिन क लेल मेला मे गुड़ क जलेबी आ मालपुआ तक उपलब्ध अछि। गर्मागर्म गुड़ क जलेबी आम तौर पर देहाती क्षेत्र मे भेटैत छल। दस टका प्लेट वाला गुड़ क जलेबी सहज रूप स लोक क आकर्षण मे अछि।

पूर्णिया क दही-बड़ा, जलेबी, चंद्रकला आ लौंगलता
मेला मे दूटा स्टाल दहीबड़े, इमरती, जलेबी, चंद्रकला आ लौंगलता क अछि। आम तौर पर छेना क मिठाई स अलग स्वाद रखैवाला एहि देसी मिठाइ कए मेला मे खूब कद्रदान अछि। दाम मात्र दस टका एक दहीबड़ा क।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

बेनीपट्टी क कालाजामुन
बेनीपट्टी क काला जामुन सेहो मेला मे धूम मचौने अछि। एहि ठामक काला जामुन क ख्याति उत्तर बिहार मे खूब अछि।

चंपारण का मटन संग कबाब
मेला मे नानवेज व्यंजन क दू-तीनटा स्टाल अछि। चंपारण क स्टाल पर चूड़ा पुलाव क संग मटन क बिक्री भ रहल अछि। एहि स्टाल पर चंपारण इलाका क सुगंधित चाउर क भात सेहो भेट रहल अछि। एकटा स्टाल कबाव क अछि।

शाहजहांपुर क पकौड़े
पटना जिला क शाहजहांपुर पकौड़े क स्टाल पर सेहो लंबा कतार अछि। एहि ठाम लोकभूंजा क संग गर्म पकौड़े क आनंद ले सकैत अछि।

सुपौल क खाजा आ फुलवारी क ल_ो
मेला मे सुपौल क खाजा, भोजपुर क वेलग्रामी आ फुलवारीशरीफ क ल_ो सेहो अपन ब्रांड कए स्थापित करबा मे सफल रहल अछि। ल_ो क स्टाल पर दालमोट सेहो बिका रहल अछि।

लिट्टी-चोखा क धूम करकरार
एखन धरि बिहारी व्यंजनक नाम पर एकलौता ब्रांड लिट्टी-चोखा क धूम एहि मेला मे सेहो बरकरार अछि। एहि ठाम खास इ अछि जे लिट्टी आम तौर पर एतबा वेरायटी देखबा मे नहि भेटैत अछि। एहि ठाम पनीर भरल लिट्टी सहित कुल नौ प्रकारक लिट्टी उपलब्ध अछि।

सहरसाक बौड़ी-दनौरी क सेहो स्टाल
मेला मे तरह-तरह क व्यंजन संग बौड़ी-दनौरी सेहो भेट रहल अछि। मूंग, चना क बौड़ी क संग-संग अहां तिसऔरी आ दनौरी सेहो कीन सकैत छी।

बाढ़ क लाई आ गोह क चना-भाजी
आम तौर पर बाढ़ क चौंधी पर क खोवा क लाई क स्वाद लोक खूब जानैत अछि, मुदा मेला मे एकरा बेचबाकअंदाज नव अछि। किलो दू किलो कीनबाक नहि अछि त अहां लेल दस टका मे दू लाई प्लेट उपलब्ध अछि। गया-गोह क चना-भाजी व्यंजन मेला मे धूम अछि। गया-गोह क चना भाजी पांच टका प्लेट खूब मजे स मेला परिसर क बाहर सेहो बिका रहल अछि। चाही त एकरा खाइत-खाइत घर कए लौट जाउ।

Tags: Biharpatnaबिहारी व्यंजन
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

पटना मे खुलत बिहार क पहिल ई-लाइब्रेरी

बिहार मे गहूम क बंपर फसल क उम्मीद

Esamaad Epaper Website

बिहार: जल्द आउत बायोटेक नीति

Comments 3

  1. सुनील झा says:
    12 years ago

    मुंह में पानि आबि गेल!

    Reply
  2. RAGHAB JHA says:
    12 years ago

    Hamar mithila mahan, hamar maithili mahan. karu ekar gungan, hoyat sabke kalyam.

    Reply
  3. Akhilesh jha says:
    12 years ago

    yeh toh bahut achhi baat hai ki ab hamare bihar k bhi dish log try karenge aur bihar ki ek pehchan banegi. kam se kam food k karan hi koi bihar ki tarif kare.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि