• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहार आगू बढि रहल अछि: गेट्स

March 24, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। बिहार क दौरा पर आयल माइक्रोसॉफ्ट क संस्थापक बिल गेट्स  बिहार क कामयाबी स एतबा खुश छथि जे दुनिया भरि मे एकरा दोहरेबा लेल आतुर भ रहल छथि।
बिहार क एकदिवसीय दौरे पर आयल सूचना प्रौद्योगिकी क्षेत्र क प्रतिष्ठित कंपनी माइक्रोसाफ्ट क संस्थापक अध्यक्ष बिल गेट्स कहला जे ओ प्रदेश मे अपन फाउंडेशन कए भेटल सफलता क अनुभव कए भारत क आन राज्य सहित दुनिया भरि मे दोहरेबा लेल आतुर छी।
मुख्यमंत्री सचिवालय मे गेट्स कहला जे बिल एंड मेलिंडा गेट्स फाउंडेशन भारत क अन्य राज्य सहित बिहार मे काज करि रहल अछि आओर प्रदेश मे जे काज भ रहल अछि ओहि स ओ खुश छथि।
बिहार सरकार क संग साझेदारी मे स्वच्छता, स्वास्थ्य, परिवार नियोजन आ शिशु स्वास्थ्य आदि क्षेत्र मे आठ जिला मे काज करि रहल फाउंडेशन क सह अध्यक्ष गेट्स कहला जे नीतीश सरकार क नेतृत्व मे नीक सहयोग भेट रहल अछि। गेट्स क पत्नी मेलिंडा कहलथि- हम गाम मे जाकए देखलहुं अछि स्वास्थ्य मंत्रालय नीक काज करि रहल अछि। लोक स गप करि प्रसन्नता भेल। खास कए महिला मे टीकाकरण आ स्तनपान क बारे मे जागरुकता देख बेहद खुशी भेल।
भारत क अन्य राज्य क बजाय बिहार मे विशेष जोर देबाक पाछु कोनो खास कारण, एहि सवाल पर गेट्स कहला जे कोनो आन राज्यक अपेक्षा एहि ठाम साझेदारी बहुत नीक अछि। आन राज्य मे सेहो हम काज कए रहल छी आ ओहि ठाम सेहो नीक प्रगति अछि मुदा बिहार मे स्वास्थ्य संबंधी आंकड़ा कए आगू बढ़ेबाक अछि।
मेलिंडा कहलथि जे बिहार मे आन ठाम स बेसी पारदर्शिता अछि आ सरकार सबकिछु साझा करबा लेल उत्सुक अछि। बिहार मे सटा मंत्रालय क बीच तालमेल अद्भुत अछि। हमरा भरोसा अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क नेतृत्व मे बिहार आगू बढत।
गेट्स कहला जे बिहार मे ओ खसरा, थायरायड, पोलियो क पेंटावैलेंट टीका क लेल बेसी स बेसी सस्ता टीका उपलब्ध करेबा लेल प्रयासरत छथि। एहि लेल भारतीय निर्माता स सेहो विचार विमर्श चलि रहल अछि।
फाउंडेशन बीतल वर्ष मई मे बिहार सरकार क संग सहयोग क समझौता केने छल। बिहार मे कार्यरत बिल एंड मेलिंडा गेट्स फाउंडेशन क एकटा प्रतिनिधि  कहला जे संस्था बहुत घनिष्ठता क संग सरकार क संग मिलकए काज कए रहल अछि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

राष्ट्रपति कए चाही अभिषेक क बनाउल रोबो कुक

Esamaad Epaper Website

बिहार मे आसान भेल उद्योग क लेल पर्यावरण क एनओसी

Esamaad Epaper Website

फतुआ मे लागत ट्रैक्टर फैक्टरी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कियो नहि उठेलक मिथिलाक विकासक नैतिक दायित्व

by संपादक
March 27, 2017
0

Read more

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि