• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहार आ भूटान मे पर्यटन कए बढाबा लेल समझौता

May 6, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। भूटान क चारि दिनक यात्रा पर गेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार यात्रा क दोसर दिन भूटान क राजा जिग्मे खेसर नामग्याल वांगचुक स भेंट केलथि आ भूटान क संग पर्यटक क संख्या बढेबा संबंधि करार केलथि। राजा मुख्यमंत्री कए बतेलाह जे कोना भूटान क लोक ग्रास नेशनल हैप्पीनेस स प्रभावित छथि। भूटान नरेश कहला जे इ अवधारणा बॉडी, स्पीच आ माइंड कए पूरा विकास स संबंधित अछि। एहि तीनू क अपन-अपन निहितार्थ अछि। बॉडी क मतलब स्वास्थ्य सेवा क विकास स अछि जखन कि स्पीच क अर्थ जनतांत्रिक मूल्‍यक विकास आ माइंड क मतलब शिक्षा सुविधा क विकास अछि। नीतीश सामान्‍यत कुर्ता पजामा धारण करैत छथि। मुदा नरेश क आवास पर मुख्यमंत्री सूट पहिर कए गेलाह। मुख्यमंत्री राजा कए हुनकर विवाह क बाद बिहार एबाक निमंत्रण देलथि। संगहि मुख्यमंत्री भूटान नरेश स बिहार क संस्कृति एक बुझबाक अनुरोध केलथि। राजा स भेंट केलाक बाद मुख्यमंत्री भूटान क आर्थिक मामलाक मंत्री लियोन पो खंडू यांगचुप स भेंट केलथि। भेंट क दौरान पनबिजली परियोजना स बिहार कए बिजली प्राप्त हेबा पर चर्चा भेल।
भूटान क पर्यटक क लेल परिवहन क व्यवस्था करबा मे बिहार पर्यटन विकास निगम आ रायल भूटान पर्यटन काउंसिल अपना मे एक-दोसर कए सहयोग करत। एहि संबंध मे पर्यटन विभाग क प्रधान सचिव दीपक कुमार भूटान क पर्यटन काउंसिल क संग करार केलथि अछि। दूनू संस्था पर्यटन कए बढ़ावा देबा लेल संयुक्त रूप स बाजार सेहो ताकत। थिंपू क तारायाने केंद्र मे सांझखन बिहारी कलाकार सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो प्रस्तुत केलथि।
मिथिलाक जट- जटिन, सीपिया नृत्य आओर शिव स्तुति आओर भोजपुरी झूमर प्रस्तुत कैल गेल। एहि दौरान प्रदर्शनी सेहो लगाउल गेल छल। प्रदर्शनी मे भारी भीड़ देखल गेल। थिंपू क पांच सितारा होटल ताज ताशी मे बिहारी व्यंजन क भोज छल। भोज मे बिहिया पूड़ी, लिट्टी-चोखा, जलेबी आओर रबड़ी सबहक पसंद बनल।
दिन भरि क व्यस्तता क बावजूद ओ बिहारी मूल क लोक सब स गप करबा लेल समय निकालबा मे कोनो कोताही नहि केलथि। ओ थिंपू मे प्रवासी बिहारी लोक स गप करि गदगद भ गेलाह। मुख्यमंत्री कए बताउल गेल जे भूटान मे पैघ संख्या मे बिहारी बसल छथि, जे भूटान क नव निर्माण मे पैघ भूमिका निभा रहल छथि। राजधानी थिंपू आ फुन शो लिंग मे बिहारी व्यवसायी क पैघ पैघ दुकान अछि। भूटान क शाही नाई सेहो बिहार क छथि।

Tags: Biharbihar tourism development corporationnitishpatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

विकास क बाट पर बिहार : कृष्णा

Esamaad Epaper Website

बिहार क खेत मे उगाउल जा रहल अछि कालाजार क दवाई

Esamaad Epaper Website

दरभंगा मे लागत साइकिल एसेंबलिंग कारखाना

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि