• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

बिहार कए गन्ना स सीधा एथेनॉल बनेबाक अनुमति देबाक तैयारी

April 10, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

नई दिल्‍ली । केंद्रीय कृषि आ उपभोक्ता मामला क मंत्रालय गन्ना स सीधा एथनॉल बनेबाक योजना पर विचार करि रहल अछि। आम तौर पर एथनॉल क उत्पादन चीनी क सह उत्पाद क तौर पर होइत रहल अछि, मुदा बिहार कई साल स सीधा एथेनॉल बनेबाक अनुमति मांगी रहल अछि। आब इ प्रस्ताव कानून मंत्रालय क लग मे पठाउल गेल अछि, किया जे एकरा लागू करबा लेल आवश्यक वस्तु अधिनियम क चीनी नियंत्रण संबंधी प्रावधान मे संशोधन करए पडत।
सूत्र क कहब अछि जे इ काज बिहार सरकार सबस पहिने शुरू केने छल। बिहार सरकार गन्ना स सीधा एथनॉल बनेबा लेल कईटा समझौता केने अछि। खनिज संपदा क अधिकांश हिस्सा झारखंड क हिस्सा मे गेलाक बाद बिहार अपन आर्थिक विकास क लेल कृषि आधारित उद्योग क विकास पर खास ध्यान द रहल अछि।
कानून मंत्रालय क मानब अछि जे प्रस्ताव पर अलग प्रावधान क तहत विचार कैल जा सकैत अछि नहि कि आवश्यक वस्तु अधिनियम क चीनी नियंत्रण संबंधी प्रावधान क तहत। एहि प्रावधान क तहत चीनी क उत्पादन, मार्केटिंग आ वितरण कए नियंत्रित कैल जाइत अछि। सूत्र क कहब अछि जे एथेनॉल आवश्यक वस्तु क तहत नहि अबैत अछि एहि लेल चीनी नियंत्रण प्रावधान क तहत विचार नहि कैल जा सकैत अछि।
कानून मंत्रालय संविधान क अनुच्छेद-47 क हवाला दैत कहैत अछि जे एकर तहत राज्‍य क इ जिम्मेदारी अछि जे ओ अपन ओहि ठामक लोक क जीवन स्तर आ पोषण स्तर मे सुधार करथि। सूत्र क कहब अछि जे एथेनॉल क नियंत्रित वस्तु क दायरा मे अनबाक लेल आवश्यक वस्तु अधिनियम मे संशोधन स पहिने अनुच्छेद-47 पर विचार करए पडत। कानून मंत्रालय खाद्य मंत्रालय क लग मे एखन अपन विचार नहि पठेलक अछि आ भारत क अटार्नी जनरल स राय मंगलक अछि। हालांकि, इ सेहो कहल जाइत अछि जे प्रधानमंत्री क आर्थिक सलाहकार परिषद सीधा एथेनॉल तैयार करबाक प्रस्ताव कए इ कहैत खारिज करि देने अछि जे एहि स खाद्य सुरक्षा पर नकारात्मक असर पड़त। आवश्यक वस्तु अधिनियम क अहम जिम्मेदारी खाद्य सुरक्षा सुनिश्चित करब अछि। सीधा एथेनॉल तैयार करबाक गप तखन स जोर पकडने अछि जखन स सरकार ईंधन मे 5 स 10 फीसदी एथेनॉल मिलेबाक मंजूरी देने अछि ताकि प्रदूषण घटि सकए। हालांकि, एखनो एथेनॉल मिलेबा सबंधी कोनो अनिवार्यता नहि अछि। किया कि अनिवार्यता स पहिने तेल कंपनी आपूर्ति सुनिश्चित करए चाहैत अछि। ब्राजील आ अमेरिका मे गन्ना स सीधा एथेनॉल तैयार कैल जा रहल अछि। भारत मे एखन 122 एहन इकाइ अछि जाहि ठाम सह उत्पाद क तौर पर एथेनॉल तैयार कैल जा रहल अछि। देश मे हर साल 120 करोड़ लीटर एथेनॉल तैयार कैल जाइत अछि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहारक तुर्की मे बनत बीएसएफ लेल आवासीय क्वार्टर

अशोक पेपर मिल कए कबाड साबित करबा मे लागल छथि धरमगोधा

पताही हवाई अड्डा सेहो बनत एयर बेस स्टेशन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि