पटना । उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला अछि जे केन्द्रीय बजट स बिहार कए तत्काल 1126 करोड़ क नुकसान भ गेल अछि । चालू वित्त वर्ष मे केन्द्रीय टैक्स स राज्य कए 3326.93 करोड़ भेटबाक गप छल मुदा आब 31900 करोड़ भेटत। ओ आरोप लगेलथि जे आम बजट मे बिहार समेत अन्य पिछडल राज्यक हित क उपेक्षा भेल अछि। मोदी क अनुसार आम बजट मे सब राज्य कए भेट रहल राशि मे कुल 59220 करोड़ क कटौती भेल अछि। एकर सीधा असर बिहार समेत अन्य राज्य क विकास काज पर पड़त। विशेषकर बिहार, उत्तरप्रदेश, ओडिशा, बंगाल आ मध्यप्रदेश सन राज्य सर्वाधिक प्रभावित होएत। बजट मे केन्द्र सरकार विकास लेल कोनो ‘रोडमैप’ नहि बतेलक अछि जखनकि अगिला साल लोकसभा चुनाव अछि। मोदी क अनुसार केन्द्रीय वित्त मंत्री पी. चिदम्बरम राज्य मे केन्द्र प्रायोजित महत्वपूर्ण योजना क संशोधित राशि मे सेहो भारी कटौती केलथि अछि। एकर मतलब अछि जे केन्द्र सरकार क वित्तीय हालत बहुत खराब अछि। देश कए वित्तीय संकट मे अनबा लेल यूपीए सरकार जिम्मेवार अछि। एकर बानगी इ अछि जे आम बजट मे 40 हजार करोड़ क राजस्व मे कमी देखाउल गेल अछि। इंदिरा आवास योजना मे 2051 करोड़, सर्व शिक्षा अभियान मे 1874 करोड़, प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना मे 13830 करोड़ आ मनरेगा मे 3545 करोड़ टका क कमी कैल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर