• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहार क आर्थिक सर्वेक्षण पेश, विकास दर 14.8 प्रतिशत

February 22, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

सरिता/प्रीतिलता
पटना। उप मुख्यमंत्री आ वित्त मंत्री सुशील कुमार मोदी विधानसभा मे 2011-12 क आर्थिक सर्वेक्षण पेश केलथि। आर्थिक सर्वेक्षण क अनुसार वर्ष 2009-10 स 2010-11 क दौरान राज्य अर्थव्यवस्था क विकास दर 14.8 प्रतिशत रहल। मोदी आर्थिक सर्वेक्षण मे राज्य मे प्रति व्यक्ति विकास व्यय मे सेहो बढ़ोतरी क गप कहला अछि। सर्वेक्षण क मुताबिक वर्ष 2001-02 मे जतए प्रति व्यक्ति विकास व्यय 930 टका छल ओतहि 2010-11 मे बढि कए 3467 टका भ गेल अछि। एहि अवधि मे देश क प्रति व्यक्ति विकास व्यय 13.6 प्रतिशत क दर स बढल अछि, जखनकि बिहार मे इ दर 17.1 प्रतिशत छल। रिपोर्ट मे एक दिस प्रति व्यक्ति विकास व्यय क आंकडा उत्‍साह जगा रहल अछि त दोसर दिस राज्‍य मे गरीबी रेखा स नीचा जीवन जी रहल लोकक संख्‍या मे कोनो कमी दर्ज नहि कैल जा सकल अछि। सरकार लग एकर कोनो उत्‍तर नहि अछि जे विकास क इ आंकडा गरीबी कम करबा मे कारगर किया नहि साबित भ रहल अछि।
देखल जाए त एखनो बिहार मे राष्ट्रीय औसत क तुलना मे सड़क क उपलब्धता काफी कम अछि मुदा एहि सेक्टर मे जोरदार तेजी देखल जा रहल अछि। अक्टूबर 2010 मे बिहार मे सड़क क कुल लंबाई 94.0 हजार किमी छल, जे एक वर्ष मे 20 प्रतिशत बढ़ल अछि। ओना सितंबर 2011 तक निर्मित कुल सड़क मे राष्ट्रीय उच्च पथ क लंबाई मे कोनो परिवर्तन नहि भेल अछि। ओकर हिस्सा तीन प्रतिशत स कनि ऊपर बनल रहल। बिहार राज्य पुल निर्माण निगम 2007-08 स 2011-12 क बीच 2,118.75 करोड़ क खर्च स 801 पुल क निर्माण पूरा केलक अछि।
एहिना एहि रिपोर्ट मे तरकारी उत्पादन मे बिहार क छलांग कए प्रमुखता स उठाउल गेल अछि। एहि मामला मे बिहार देश मे अव्वल भ गेल अछि। 2006-07 मे तरकारी क खेती क क्षेत्रफल 8.24 लाख हेक्टेयर छल, जे 2009-10 मे 8.45 लाख हेक्टेयर भ गेल। फसलवार उत्पादकता सेहो बढ़ल अछि। खरीफ मौसम मे नालंदा क किसान धान क उत्पादकता क स्तर 22.4 टन प्रति हेक्टेयर हासिल क विश्व रिकार्ड कायम केलथि अछि। ओना 2011-12 क खरीफ मे धानक उत्पादन 67.55 लाख टन अनुमानित अछि जे 2008-09 मे भेल सर्वाधिक उत्पादन 57.71 लाख टन स 9.85 लाख टन बेसी अछि।
एहिना राज्य क साक्षरता दर मे एक दशक मे 16.8 प्रतिशत वृद्धि देखा रहल अछि। बिहार मे साक्षरता दर 2001 क जनगणना क अनुसार जतए 47 प्रतिशत क करीब छल, ओतहि इ 2011 मे बढि कए 63.8 प्रतिशत भ गेल अछि। साक्षर होइत बिहार मे इ गौरतलब अछि जे पिछला पांच साल मे कोनो नव महाविद्यालय नहि खुलल अछि। शिक्षक क कमी एखनो बनल अछि आ शिक्षाक स्‍तर पर सवाल त खुद सरकार उठा रहल अछि। ओना मोदी एहि आर्थिक सर्वेक्षण कए ‘गतिरूद्घ अर्थव्यवस्था क पुनरुत्थान’ कही रहल छथि। मोदीक कहला जे तरकारी क मामला मे बिहार देश मे प्रथम स्‍थान पाबि लेलक अछि, मुदा मोदी राज्‍य मे धान आ गहूंम क पैदावार साफ उत्‍तर नहि देलथि। राज्‍य मे विकासक जे आंकडा प्रस्‍तुत कैल गेल अछि ओ मनमोहनी अर्थव्‍यवस्‍था क अनुरूप अछि जाहि मे आम लोकक जीवनस्‍तर मे सुधार लेल बेसी जगह नहि अछि। ओना इ जरूर अछि जे किछु क्षेत्र मे बिहार लगातार नीक नतीजा द रहल अछि, मुदा स्‍वास्‍थ्‍य आ शिक्षा सन क्षेत्र मे बिहार एखनो काफी पाछु अछि। शिशु मृत्‍यु दर मे कमी सुखद समाद अछि, मुदा कृषि सन क्षेत्र मे विकास क चक्‍का ठहराव चिंता बढा दैत अछि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

नीतीश मंगलथि माफी

Esamaad Epaper Website

राष्ट्रीय औसत स आधो नहि अछि बिहारक सीडी रेशियो

Esamaad Epaper Website

बिहारक छवि बिगाडि रहल अछि केंद्र

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि