मुंबई । मुंबई क आम लोक क भांति 34 वर्षीय प्रीति कुमारी सेहो मंगलदिन लोकल ट्रेन स यात्रा केलथि, मुदा प्रीति आ आम लोक मे इ फर्क छल जे ओ ट्रेन चलेलथि आ पश्चिम रेलवे क पहिल महिला चालक बनि गेलथि।
बिहार क बेटी प्रीति चर्चगेट आ बोरिवली क बीच दुपहरिया 2ः29 बजे क लोकल चलेलथि। हुनका एकटा मुख्य लोको निरीक्षक निर्देशित करि रहल छलाह। छह माह तक प्रशिक्षण लेलाक बाद एहि काज क लेल उत्साहित प्रीति कहलथि जे एहि उपलब्धि स ओ खुश छथि। मंगलदिन पश्चिम रेलवे मे तीन गोटे इ काज शुरू केलक जाहि मे ओ एकटा छथि।
एहि पद क लेल अगस्त 2009 मे 69 अभ्यर्थी प्रशिक्षण लेब शुरू केने छल जाहि मे स गोटे कए आइ काज सौंप देल गेल। प्रीति भारतीय रेलवे मे एहि पद पर सीधा नियुक्ति पौनिहारि ने पहिल महिला छथि। मध्य रेलवे मे ट्रेन चलौनिहारि सुरेखा यादव एशिया क पहिल महिल ट्रेन चालक छथि, मुदा ओ सहायक चालक क पद पर रहैत इ काज केलथि।
प्रीति बिहार क बांका जिला क रहनिहारि छथि आ सासुर दरभंगा छैन, ओ इलेक्ट्रानिक्स मे डिप्लोमा क अलावा बीए क डिग्री प्राप्त केने छथि। ओ उपनगर दसिहर मे अपन पति क संग रहैत छथि, जे भारतीय वायु सेना मे कार्यरत छथि।
पैघ तैयारि के बाद १९ सम कौमन्वैल्थ खेल सम्प्न्न भेल ,पदक जितय बला सब player सब के शुभकामना ,खाश के बिहार् क एक मात्र पद्क बिजेता के,क्रिपया हुन् क समाचार सेहो,देख् बा ले मिलत तेकर अशा मे….शुभकामना सहित-इश नाथ मिश्रा.