• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

बिहार क बीस हजार करोड़ क वार्षिक योजना कए मंजूरी

May 18, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

नई दिल्ली। योजना आयोग वित्तीय वर्ष 2010-11 क लेल बिहार क 20 हजार करोड़ क वार्षिक योजना कए अपन मंजूरी द देलक। इ पिछला साल क योजना आकार स करीब साढे पांच हजार करोड़ बेसी अछि। बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क योजना आयोग क उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलुवालिया क संग भेल बैठक क बाद वर्ष 2010-11 क लेल वार्षिक योजना आकार कए मंजूरी देल गेल। 20 हजार करोड़ क एहि वािर्षक योजना मे बिहार सरकार अपन आंतरिक संसाधन स 8619 करोड़ जुटाउत, जखनकि केन्द्रीय सहायता क रूप मे ओकरा 5870 करोड़ प्राप्त होएत आ राज्य सरकार ऋण क रूप मे 5510 करोड़ इक_ा करत। वार्षिक योजना राशि मे सामाजिक सेवा क लेल 36 प्रतिशत, परिवहन आ संचार क लेल 28 प्रतिशत, ऊर्जा क लेल नौ प्रतिशत आ सिंचाई आ बाढ़ नियंत्रण क लेल दस प्रतिशत राशि राखल गेल अछि। बैठक क बाद नीतीश कुमार कहला जे हुनका प्रसन्नता अछि जे योजना आयोग राज्य क 20000 करोड़ क वार्षिक योजना कए मंजूरी देलक अछि। राज्य क पिछला साल क वार्षिक योजना 14404 करोड़ छल। नीतीश एकरा लेल योजना आयोग आ खासकए अहलुवालिया कए धन्यवाद देलथि आ संगहि उम्मीद जतेलथि जे राज्य वार्षिक योजना क लक्ष्य कए हासिल करत। ओ कहला जे आयोग क संग विभिन्न मुद्दा पर चर्चा भेल, एहि मे क्रियान्वयन स जुड़ल मुद्दा सेहो शामिल छल। ओ कहला जे वार्षिक योजना मे राज्य क अपन योगदान नीक अछि आ लेनदारी सेहो सीमा क अंदर अछि। मुख्यमंत्री कहला जे राज्य सरकार सामाजिक क्षेत्र पर पूरा ध्यान देलक अछि आ आगू सेहो ध्यान देत। ओ कहला जे राज्य क वित्तीय प्रबंधन मे उल्लेखनीय प्रगति भेल अछि। राज्य क राजस्व अधिशेष 2005 2006 मे 81 करोड़ छल, जे वर्ष 2009-10 मे बढि कए 4700 करोड़ पहुंच गेल। एहि तरह राज्य क कर राजस्व 2005-06 क 3561 करोड़ टका स बढि़कए 2009-10 मे 8274 करोड़ टका भ गेल अछि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

नहि नीक सड़क बनैब आ नहि बनबै देब

Esamaad Epaper Website

विश्व बैंक देलक छह अरब टका

Esamaad Epaper Website

1 लाख क आबादी पर महज 69 पुलिसकर्मी!

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि