पटना। विमान सेवा मे लूट मचल अछि। भारत मे सबस महग विमान सेवा बिहार लेल देल जा रहल अछि। ओना किराया पर नागर विमानन महानिदेशालय क समिति निगरानी राखि रहल अछि, मुदा एकर कोनो असर किराया पर नजर नहि आबि रहल अछि। दीपावली आ छठ क मौका बिहार जेनिहार आ बिहार स लौटनिहार लोक कए विमान कंपनी जमी कए लूटि रहल अछि। हवाई किराया मे उछाल क अंदाजा एहि स लगाउल जा सकैत अछि जे दिल्ली स पटना क एक तरफ क किराया 26,383 टका तक भ चुकल अछि। जखन कि सामान्य दिन मे दिल्ली स पटना क किराया 4,500-6,000 टका क बीच होइत अछि। हालांकि इंडिगो सन कंपनी क किराया अपेक्षाकृत कम अछि मुदा इ सेहो दिल्ली आ पटना क विमान यात्रा लेल पंद्रह स सोलह हजार टका वसूल रहल अछि। एहि प्रकार स करीब सोलह सौ मे वाला पटना लखनऊ क किराया तीन स साढ़े तीन हजार तक पहुंच गेल अछि। विमानन कंपनीक क वेबसाइट स त निष्कर्ष निकलैतअछि जे यात्री क लग मे दीपावली पर अपन घर पहुंचबा लेल भारी भरकम किराया देबाक अलावा कोनो आओर विकल्प नहि अछि। उपर स सच्चाई इ सेहो अछि जे बेसीतर सीधा उड़ान सेवा मे सीट नहि अछि।