नई दिल्ली । बिहार मे तेज रफ्तार विकास दर क केंद्र सरकार प्रशंसा केलक अछि। वित्त मंत्री प्रणब मुखर्जी राज्य क दोबारा विकास क पटरी पर लौटबाक न सिर्फ सराहना केलथि बल्कि राज्य क लेल एक हजार करोड़ टकाक विशेष पैकेज कए बढ़ा कए दू हजार करोड़ करि देलथि।
वित्तमंत्री कहला जे बिहार मे पिछला साल विकास दर 13 फीसदी रहल। इ सराहनीय अछि। नीक विकास दर हासिल करनिहार राज्य कए प्रोत्साहन देबाक सवाल पर हालांकि ओ कहला जे फिलहाल एहन कोनो प्रस्ताव नहि अछि मुदा बिहार कए शुभमानएं हम अपना कए नहि रोकि पाबि रहल छी। ओ भाजपा सांसद राजीव प्रताप रूड़ी क पूरक प्रश्न क जवाब मे कहला जे बिहार कए लेल निर्धारित राशि मे स 33 फीसदी क आवंटन भ चुकल अछि।
प्रणब पी राजीव क एकटा पूरक प्रश्न क जवाब मे कहला जे किछु राज्य मे बुनियादी ढांचा क अभाव अछि आ ओहि मे सुधार करबाक जरूरत अछि। केंद्र क नीति क वजह स आब स्थिति मे सुधार शुरू भ गेल अछि। एहि स पूर्व वित्त राज्यमंत्री नमो नारायण मीणा कहला जे केंद्र स राज्य कए वित्त क स्थानातरण योजना आयोग क सिफारिश पर वित्त आयोग करैत अछि। एहि मे कईटा गप कए आधार बनाउल जाइत अछि।