पटना। नेशनल इंस्टीटयूट ऑफ ऐमच्योर रेडियो, हैदराबाद बिहार क आपदा प्रबंधन आ ग्रामीण विकास क क्षेत्र मे कार्यरत संस्था कए हैम रेडियो क केंद्र क रूप मे चयनित केलक अछि। पटना क प्रोफेसर जीपी सिन्हा सेंटर फोर डिजास्टर मैनेजमेंट आ रूरल डेवलपमेंट कए हैम रेडियो केंद्र क रूप मे चयनित कैल गेल अछि। हैम रेडियो केंद्र क रूप मे मान्यता भेटलाक बाद संस्था संचार माध्यम क रूप मे हैम कए सरकारी कर्मचारी, स्वयं सेवी संस्था, स्कूल कालेज आ हैम रेडियो क्लब क बीच प्रचारित करत। हैदराबाद क संस्था पटना मे हैम रेडियो स्टेशन स संबंधित उपकरण स्थापित करत। नेशनल इंस्टीटयूट आफ ऐमच्योर रेडियो (नायर), हैदराबाद क निदेशक एस राम मोहन कहला जे चक्रवात, इंटरनेट, बाढ़, भूकंप आ अन्य आपदा स प्रभावित बिहार मे संचार क साधन क टूटबाक आशंका रहैत अछि। एहन मे हैम रेडियो काफी उपयोगी साबित भ सकैत अछि। हैम रेडियो आपस मे संपर्क क बहुत सस्ता आ महत्वपूर्ण साधन अछि। जीपी सिन्हा कहला जे एहि ठाम हैम रेडियो क गैर पेशेवर मदन मोहन क स्मृति मे एकटा केंद्र स्थापित कैल जाएत। हैम कए स्कूली, कॉलेज क छात्र कए शौक क रूप मे प्रोत्साहित कैल जाएत।