• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

दरभंगा एयरपोर्ट स इंडियो अपन सेवा 5 जुलाई स शुरू करत. स्पाइसजेट एखन असगर एहि एयरपोर्ट स सेवा दैत छल. इंडियो दरभंगा स सेवा देनिहार दोसर कंपनी अछि. इंडिगो कोलकाता आ हैदाराबाद रूट पर सेवा देत. एहि रूट पर स्पाइसजेट पहिने स सेवा द रहल अछि.

June 5, 2021
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दरभंगा: दरभंगा एयरपोर्ट स इंडियो अपन सेवा 5 जुलाई स शुरू करत. स्पाइसजेट एखन असगर एहि एयरपोर्ट स सेवा दैत छल. इंडियो दरभंगा स सेवा देनिहार दोसर कंपनी अछि. इंडिगो कोलकाता आ हैदाराबाद रूट पर सेवा देत. एहि रूट पर स्पाइसजेट पहिने स सेवा द रहल अछि. एहन मे आब ग्रहक ल दूटा विकल्प भ गेल. विकल्प बढला स मैथिल जन कए नहि केवल यात्रा सुगम भेल बल्कि किराया मे सेहो कमीक उम्मीद जगल. जानकार क कहब अछि जे आब टिकट क दर मे सेहो कमी आउत. एकाधिकार दाम कए कम करबा मे बाधक बनल छल. मुदा आब IndiGo क विकल्प स छूटक दौर शुरु होएत.

एकर शुरूआतो भ गेल अछि. विमानन कंपनी इंडिगो दरभंगा स उड़ान सेवा शुरु करबा लेल बुकिंग शुरू कर देलक अछि. एकर संगहि ओ किराया पर अपन साफ संदेश द देलक अछि जे ओकर किराया हर हाल मे स्पाइसजेट स कम रहत. ओना एखन किरायाक अंतर बहुत नहि अछि मुदा इ फासला आगू आओर पैघ होएत. दरभंगा एयरपोर्ट स फ्लाइट क टिकट रेट राहत क पैघ समाद छी. दूनू कंपनीक बीच मुकाबला हर हाल मे जनता लेल शुभ समाद आनत.

इंडिगो 5 जुलाई स दरभंगा एयरपोर्ट स फ्लाइट टिकट बुकिंग चालू केलक अछि. एखन हैदराबाद आ कोलकाता लेल बुकिंग चालू अछि. पांच जुलाई कए स्पाइसजेट दरभंगा स कोलकाता क किराया 4006 रखने अछि त एहि दिन इंडिगो अपन किराया 4005 रुपया रखलक अछि.
एहिना दरभंगा स कोलकाता क बीच क हवाई सफर स्पाइसजेट क फ्लाइट स 3376 म इंडिगो स 3375 रुपया मे होएत. यानि दूनू जगह लेल फ्लाइट टिकट कए इंडिगो स्पाइसजेट स 1 रुपया कम रखलक अछि. किराया मे इ अंतर एखन महज शुरुआत अछि. एकटा समाद अछि जे आगू आओर पैघ अंतर कए स्पष्ट करैत अछि.

ओना हैदराबाद आ कोलकाता स दरभंगा एयरपोर्ट एबाक किराया दूनू इंडिगो आ स्पाइसजेट बराबर रखने अछि. एखन इंडिगो क पहिल फ्लाइट उड़ान नहि भरलक अछि. मुदा ओकर जे रणनीति देखा रहल अछि ओहि स तय अछि जे ओ कोनो हाल मे अपन किराया स्पाइसजेट स कम राखत. जानकार सेहो कहैत छथि जे दरभंगा एयरपोर्ट पर आब स्पाइसजेट आ इंडिगो क बीच प्राइस वॉर शुरू भ चुकल अछि.

दोसर दिस दरभंगा स बाहर रहनिहार लोक बीच एहि गपक खुशी अछि जे आब कम किराया द घर आबि जा सकब. खास क हैदराबाद आ कोलकाता मे रहनिहार सब सोशल मीडिया पर अपन खुशी जाहिर क रहल छथि. ओना दिल्ली समेत अन्य जगहक लोक सेहो आब इंडिगो सेवाक मांग तेज करबाक योजना बना रहल छथि.

उल्लेखनीय अछि जे दरभंगा स इंडिगो सेवा शुरू हेबाक घोषणा पिछला साल नवंबर मे भ गेल छल, मुदा दरभंगा एयरपोर्ट पर जगहक अभाव और कोरोना क दोसर लहर एहि दूनू कारण स सेवा शुरू हेबा मे देरी भेल. विमानन कंपनीक एकटा अधिकारी नाम नहि छपबाक शर्त पर कहला जे दरभंगा स कंपनी कए बहुत उम्मीद छै आ एहि ठाम स आओर शहर लेल जल्द सेवा शुरू होएत. ओ कहला जे किराया हमर कम रहत आ सेवा ककरो स बेहतर देब.

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
Tags: darbhangaDarbhanga AirportIndigoIndiGo faresmithilaSpiceJet
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

June 4, 2021
Next Post
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम...मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत "खास सनेस", बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि