• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहार जेबा लेल तैयार छथि देशक शीर्ष उद्योगपति

April 15, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

मुंबई। मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार क मुंबई यात्रा बिहार क विकास लेल मीलक पाथर साबित भेल। देशक औद्योगिक राजधानी मे मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार देशक शीर्ष उद्योगपति कए कहला जे अगर अहां सब मानि रहल छी जे बिहार बदलल अछि त ओहि ठाम निवेश करू। मात्र हमर प्रशंसा स बिहार क विकास नहि होएत। बिहार मे अपार संभावना अछि आ अहां सब ओकर लाभ लेबा लेल बिहार आउ। एहि पर उद्योग जगत एक सुर मे मुख्यमंत्री कए इ भरोस देलक जे ओ बिहार नवनिर्माण मे हर संभव मदद लेल तैयार अछि। एहि भरोस कए आओर पुख्‍ता करैत देश क प्रसिद्ध भवन शिल्पी हफीज कॉन्ट्रैक्टर मुख्यमंत्री क सामने बिहार क एकटा नव राजधानी बनेबाक योजना पेश केलथि। सत्रह सौ एकड़ मे प्रस्‍तावित एहि नूतन राजधानीक नाम ”पाटलिपुत्र” राखल गेल अछि। इ योजना मुख्यमंत्री कए एतबा नीक लागल जे ओ बिहारक नव कार्य संस्‍कृति कए परिचय दैत हफीज कए तुरंत पटना एबाक न्योत द देलथि। नीतीशक त्‍वरित कार्रवाई देख हफीज नव राजधानी क योजना कए अंतिम रूप देबा लेल 24 अप्रैल कए पटना पहुंचबाक एलान सेहो क देलथि। एकर अलावा अदानी समूह क अध्यक्ष गौतम अदानी बिहार मे नव ऊर्जा परियोजना लगेबाक एलान केलथि। वेल्सपन समूह सेहो बिहार मे 600 मेगावाट क सौर ऊर्जा परियोजना लगेबाक गप कहलक अछि। जखन कि टाटा मोटर्स अपन सहयोगी संस्था टीसीएस क संग मिल कए चारिटा आइटीआइ संस्थान कए अधिग्रहीत करबाक गप कहलक अछि। एकर संग संग टाटा मोटर्स अंतरराष्ट्रीय स्तर क एकटा ड्राइविंग ट्रेनिंग इंस्टीट्यूट सेहो बिहार मे खोलबाक घोषणा केल‍क अछि।
एहि स पूर्व होटल ट्राइडेंट मे आयोजित भोज मे करीब तीन घंटे मुख्यमंत्री उद्योग जगत क आला हस्‍ती सब संग बिहार क विकास लेल चर्चा केलथि। एहि चर्चा मे चोटी क 33टा उद्योगपति आ बैंकर भाग लेलथि। खास गप इ छल जे बैसार मे केवल मंथन नहि भेल। एहि मे किछु उद्योगपति बिहार मे पैघ निवेश क घोषणा सेहो केलथि। उद्योगपति क घोषणा मात्र घोषणा नहि रहि जाए ताहि लेल नीतीश कुमार बिहार फाउंडेशन क मुंबई चैप्टर कए सेतु बनबाक जिम्‍मेदारी देलथि। आब चैप्टर एहि उद्योग समूह क सीधा संपर्क मे रहत आ हुनका सब कए मुख्यमंत्री कार्यालय स जोड़बा मे भूमिका निभाउत ताकि ओ लालफीताशाही क चक्कर मे न उलझथि।एकर संगहि प्रधानमंत्री कए औद्योगिक विषय मे सलाह देबा लेल जेना चोटी क उद्योगपति क सलाहकार समिति अछि तहिना नीतीश कुमार लेल सेहो शीर्ष उद्योगपति क एकटा सलाहकार समिति बनेबाक निर्णय भेल अछि। एहि समिति क बैसार साल मे दू बेर होएत। एहि समिति क अलावा अंतरराष्ट्रीय स्तर क मैकिंजी आ बोस्टन सन सलाहकार कंपनी क सेहो सरकार सेवा लेत। मुख्यमंत्री बहुत जल्‍द मुंबई मे उद्योगपति क सम्मेलन करबाक इच्‍छा प्रकट केलथि अछि। इ सम्मेलन क आयोजन बिहार फाउंडेशन आ सीआइआइ मिलकए करत। एहि सम्मेलन मे उद्योग समूह अपन निवेश योजना क बारे मे बताउत। आजुक बैसार मे वेदांता समूह क अनिल अग्रवाल, बजाज समूह क समीर बजाज, गोयनका समूह क हर्ष गोयनका, आइटीसी क क्रूज ग्रांट, टाटा स्टील क बी मुत्ताूरमण, टाटा मोटर्स क रविकांत, टाटा सन्स क इशाक हुसैन, अदानी समूह क गौतम अदानी, वेल्सपन समूह क वी.के.गोयनका, आइसीआइसीआइ बैंक क अध्‍यक्ष चंदा कोचर, एक्सिस बैंक क अध्‍यक्ष शिखा शर्मा आदि शामिल छलथि।

Tags: Biharmumbai
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार खुलत हैम रेडियो केंद्र

Esamaad Epaper Website

दुग्ध उत्पादन क क्षेत्र मे नव अध्याय लिखत बिहार

Esamaad Epaper Website

एमसीडी चुनाव मे मैथिलक धमक

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि