पटना। बिहार दिवस क मौका पर राज्य क इतिहास, संस्कृति, पहनावा आ विविध व्यंजन क झलक देखबा मे भेटत। 22 मार्च कए बिहार प्रदेश क 99म वर्ष पूरा होएत आ 100म वर्ष क शुभारंभ कए लकए तीन दिन तक चलैवाला विविध कार्यक्रम कए नव तेवर क संग अंतिम रूप देल जा रहल अछि। एक अणे मार्ग मे एहि संबंध मे लगातार बैठक भ रहल अछि जाहि मे प्रगति क समीक्षा कैल जा रहल अछि। मानव संसाधन विकास मंत्री प्रशांत कुमार शाही क अनुसार गाम-गाम मे कार्यक्रम चलेबा लेल तैयारी कैल जा रहल अछि। पटना क गांधी मैदान मे मुख्य कार्यक्रम होएत, एकर अलावा रवीन्द्र भवन आ श्रीकृष्ण मेमोरियल हाल मे सेहो रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजित करि बिहार क संस्कृति स जनसाधारण कए अवगत कराउल जाएत। एहि तमाम कार्यक्रम मे स्थानीय कलाकार कए अपन गीत-संगीत आ नृत्य क जलवा देखेबाक मौका भेटत।