पटना । बिहार दिवस क उद्घाटन समारोह मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार महिला लेल कईटा सनेस क घोषणा केलथि, जाहि मे सबस महत्वपूर्ण अछि जे राज्य पुलिस लेल भर्ती मे अब 35 फीसद पद महिला लेल आरक्षित होएत। मुख्यमंत्री क एहि घोषणा स अगिला पांच साल मे कम स कम ग्यारह हजार महिला बिहार पुलिस क विभिन्न पद पर नियुक्त हेतीह।
महिला सशक्तीकरण कए समर्पित एहि बेरक बिहार दिवस पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शुक्रदिन गांधी मैदान मे कहला जे पुलिस स जुड़ल सब तरह क पद पर भर्ती मे महिला लेल 35 फीसद सीट आरक्षित होएत। संगहि सब तरह क सहकारी संगठन आ पैक्स (प्राथमिक कृषि साख समिति) क सेहो आधा सीट (50 फीसद) आब महिला क गठन कैल जाएत। महादलित महिला लेल साक्षरता योजना चलत। मुख्यमंत्री कहला जे ओ एक-एकटा बच्ची कए मार्शल आर्ट आ जूडो कराटे क ट्रेनिंग दियेबाक व्यवस्था क रहल छथि। एखन धरि लाख बालिका कए जूडो कराटा क ट्रेनिंग दियाउल गैल अछि। अगिला साल बिहार दिवस पर 40 स 50 हजार बालिका गांधी मैदान मे एकसंग मार्शल आर्ट क प्रदर्शन करतथि ।
बिहार पुलिस मे महिला लेल आरक्षण स महिला मे गजब उत्साह अछि। कारण अछि जे आगामी पांच साल मे सरकार पुलिस क विभिन्न पद पर 31,102 क संख्या मे बहाली क निर्णय लेने अछि। कैबिनेट गृह विभाग क एहि प्रस्ताव कए अपन मंजूरी द देने अछि। गृह विभाग इ अधिसूचना सेहो जारी क देने अछि जे कोन साल केतबा संख्या मे पुलिस मे भर्ती होएत। गृह विभाग क अधिसूचना क अनुसार वित्तीय वर्ष 2012-13 स अगिला पांच साल तक प्रति वर्ष 5209 सिपाही क भर्ती हेबाक अछि। एहि मे आब 35 फीसद आरक्षण महिला लेल भ गेल। पहिने इ आरक्षण मात्र तीन प्रतिशत क छल। पैंतीस प्रतिशत आरक्षण भेटला स अगिला पांच साल तक प्रति वर्ष 1823 महिला पुलिस कांस्टेबल क भर्ती होएत। एहि प्रकार स पांच साल तक लगातार 466 अवर निरीक्षक क नियुक्ति होएत । एहि हिसाब स सब वर्ष 163 महिला अवर निरीक्षक पुलिस मे बहाल भ जेतीह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर