• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

बिहार फेर देखेलक बाट, बच्चाक इलाज 22 मार्च स निःशुल्क

February 23, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। एक बेर फेर साबित भ गेल जे देश कए बाट देखैनिहार बिहार अछि। 22 मार्च कए बिहार सौ सालक भ जाएत। एहि दिन कई का रिकार्ड बनत, मुदा एकटा रिकार्ड सबस महत्वपूर्ण अछि। ओहि दिन बिहार देश क एहन पहिल राज्य बनि जाएत जतए 14 साल तक क सबटा बच्चाक इलाज सरकार अपन खर्च स करवाउत। बच्चा क इलाज राज्य क प्राथमिक स्वास्थ्य उपकेन्द्र स लकए दिल्ली क एम्स सहित देश क सबटा पैघ संस्थान मे निःशुलक भ सकत।
सरकारी आंकडाक अनुसार एखन राज्य मे 14 साल तक क करीब 3.4 करोड़ बच्चा अछि। एहि मे स छह स 14 सालक अधिकतर बच्चा विद्यालय मे पढैत अछि। ‘नई पीढ़ी स्वास्थ्य गारंटी योजना’ क नाम स शुरू भ रहल इ कार्यक्रम क तहत राज्य क सबटा बच्चा कए एकटा हेल्थ कार्ड देल जाएत, जे ओकर निःशुल्क ईलाजक गारंटी होएत।
एहि योजना क शुभारम्भ 22 मार्च कए ‘बिहार दिवस’ क मौका पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार करताह। इ योजना राज्य क सबटा 11,000 स्वास्थ्य केंद्र आ स्वास्थ्य उपकेंद्र क संग-संग राज्य क करीब 70,000 प्राथमिक आ मध्य विद्यालय मे शुरू होएत।
राज्य क स्वास्थ्य विभाग क प्रधान सचिव अमरजीत सिन्हा कहला जे वर्तमान मे इ योजना अगिला पांच साल तक क लेल बनाउल गेल अछि, जाहि मे प्रत्येक वर्ष चारि माह तक बच्चा क बीच हेल्थ कार्ड बांटल जाएत। स्वास्थ्य केंद्र सहित विद्यालय आ गाम मे कैम्प लगाकए चरणबद्ध तरीका स बच्चा क स्वास्थ्य क जांच कैल जाएत।
हेल्थ कार्ड मे बच्चा क स्वास्थ्य स सम्बंधित सबटा रिकॉर्ड अंकित रहत। बच्चा क ऊंचाई, वजन, आंख, नाक, गला, चर्म रोग, कटल ठोर, दिल क स्थिति सहित सबटा विवरण एहि हेल्थ कार्ड मे रहत।
ओ कहला जे एहि योजना मे प्रतिवर्ष केवल 125 करोड़ टका खर्च हेबाक सम्भावाना अछि। योजना मे राज्य क सरकारी शिक्षक क सेहो सहयोग लेल जाएत। हेल्थ कार्ड क एकटा प्रति संबंधित विद्यालय कए देल जाएत, जेकरा प्रतिवर्ष अपडेट कैल जाएत।
सिन्हा कहला जे विश्व स्वास्थ्य संगठन आ स्वास्थ्य स संबंधित पत्रिका ‘लैनसेट’ क अध्ययन क मुताबिक भारत मे तीन साल तक क लगभग 55 प्रतिशत बच्चा कुपोषण क शिकार अछि। बिहार मे इ प्रतिशत आओर अछि। रिपोर्ट क मुताबिक छह साल तक क बच्चा मे आमतौर पर आंख, दांत, चर्म रोग आ दिल क रोग क समस्या बेसी रहैत अछि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

भ्रष्टाचारीक संपत्ति जब्त करू: हाइकोर्ट

Esamaad Epaper Website

राष्ट्रीय खेल क दावेदारी पेश करत बिहार

Esamaad Epaper Website

बिहार मे इंदिरा आवास क होएत बीमा

Comments 1

  1. Dr. Manish Kumar says:
    11 years ago

    In Tamilnadu, everyone below poverty line gets free medical service!

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि