पटना। बिहार सरकार आब अपन आवंटन नीति कए बदलबाक फैसला केलक अछि। राज्य में आब वेतन सहित अन्य मद क लेल देल जा रहल आवंटन मासिक तौर पर नहि देल जाएत, बल्कि पूरा साल लेल एकहि बेर राशि द देल जाएत। सरकारक एहि फैसला स सबस बेसी राहत ओहन सरकारी कर्मचारी कए होएत जिनकर वेतन सरकारी मद स भेटल राशिक आवंटन पर निर्भर करैत अछि। एहन कर्मचारी कए आब वेतन लेल सब महिना राशि एबाक बाट नहि ताकए पडत। एखन एहि काज लेल सब महिना नाजिर बाबू आओर कोषागार क चक्कर लगेबा लेल मजबूर हुए पडैत अछि। सरकार सबटा विभागीय सचिव कए पूरा वर्ष क आवंटन एक बेर मे पठेबा क आदेश देलक अछि। आदेश क मदक राशि पठाउल जा रहल अछि। आब हर माह क अंतिम तिथि कए बैंक खाता स कर्मचारी अपन दरमाहा क राशि निकालि सकैत् छथि। एतबे नहि टकाक अभाव मे विकास क कोनो योजना सेहो आब बाधित नहि भ सकत किया जे ओकरा लेल सेहो पूरा राशि एकमुश्त पठाउल जा रहल अछि। सरकार वर्ष मे एक बेर एकमुश्त राशि क निकासी करबाक व्यवस्था एक प्रकार स विकासक गति तेज करबा लेल केलक अछि। एहि लेल सरकार पूर्व स चलि आबि रहल नियम कए शिथिल करि देलक अछि। सरकार कए निर्णय स सबटा विभागीय प्रमुख, प्रमंडलीय आयुक्त, जिला पदाधिकारी आओर कोषागार पदाधिकारी कए अवगत करा देल गेल अछि। आदेश मे इ सेहो खस क कए उल्लेख कैल गेल अछि जे ऑफिस खर्च, आकस्मिकता मद, व्यावसायिक आ विशेष सेवा, मशीन, उपकरण, वाहन क ईंधन आ रखरखाव, दूरभाष आदि पर मितव्ययिता बरतल जाए।