• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

बिहार मे आब छह लेनक होएत स्वर्णिम चतुर्भुज

August 13, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

11 हजार करोड़ स भ रहल अछि विभिन्‍न राजमार्गक निमार्ण
नई दिल्ली।
राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरण बिहार मे स्वर्णिम चतुर्भुज कए आब छह लेन मे बदलि रहल अछि। बिहार मे एखन इ चारि लेन मे बनल अछि। केंद्र सरकार एहि सडक पर बढैत वाहन क संख्‍या कए देखैत स्वर्णिम चतुर्भुज राष्ट्रीय राजमार्ग कए चारि क स्‍थान पर छह लेन मे बदलबाक मांग पर विचार करैत एकरा मंजूरी देलक अछि। राज्‍य सरकार एहि लेल बहुत दिन स आग्रह करैत छल। उत्तर प्रदेश सीमा स औरंगाबाद तक बिहार स गुजरि रहल एहि सडक कए छह लेन मे बदलवा लेल कुल 2900 करोड़ टका खर्च होएत। एहि सड़क परियोजना क काज आईसोक्स सोमा कए सौंपल गेल अछि। आइसोक्स एकटा विदेशी कंस्ट्रक्शन कंपनी अछि।
एकर अलावा बिहार मे कुल 12टा आर सड़क परियोजना पर जोर शोर स काज शुरू भ चुकल अछि। 900 करोड़ क लागत स 120 किमी लंबी पटना-बक्सर मार्ग लेल 24 अगस्त तक निविदा होएत। करीब 11 हजार करोड़ क लागत क एहि सड़क परियोजना कए पूरा भेलाक बाद बिहार मे आवागमन आओर आसान भ जाएत।
सूत्र क अनुसार राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरण राष्ट्रीय राजमार्ग विकास कार्यक्रम-चरण 3 क तहत बिहार क जाहि 12टा सड़कक निर्माण कए मंजूरी देने छल, ओहि मे स नौ टा कए टेंडर अवार्ड करि देल गेल अछि। 671 करोड़ क लागत स हाजीपुर-मुजफ्फरपुर सड़क क काज गैमन इंडिया शुरू करि चुकल अछि। इ सडक फरवरी, 2013 मे चारि लेन क तैयार भ जाएत। 575 करोड़ क लागत स हाजीपुर-छपरा सड़क पर काज मधुकान कंस्ट्रक्शन करि रहल अछि। इ जुलाई, 2013 मे चारि लेनक बनि जाएत। 512 करोड़ क लागत स जून, 2013 तक चारि लेनक तैयार भ जाएत मुजफ्फरपुर-सोनबरसा राजमार्ग, जे बना रहल अछि सी एंड सी कंपनी।
पिपराकोठी-रक्सौल राष्ट्रीय राजमार्ग कए मार्च, 2014 तक तैयार हेबाक अछि। 300 करोड़ लागत क एहि सड़क परियोजना क काज तांतिया कंस्ट्रक्शन कए देल गेल अछि। छपरा-गोपालगंज सड़क परियोजना क काज अभिजीत कंस्ट्रक्शन करि रहल अछि। 325 करोड़ क लागत वाला इ सडक अप्रैल, 2013 तक बनत। 664 करोड़ क लागत स खगड़िया -पूर्णिया सड़क क काज पुंज लॉयड करि रहल अछि। एकरा मार्च, 2014 तक बनेबाक लक्ष्य देल गेल अछि। मोकामा-मुंगेर राष्ट्रीय राजमार्ग कए जून, 2012 तक तैयार हेबाक अछि। 351 करोड़ क इ सड़क परियोजना क निर्माण कार्य सी एंड सी कए देल गेल अछि। 73 करोड़ क फारबिसगंज-जोगबनी सड़क क काज सेहो तांतिया कंस्ट्रक्शन कए भेटल अछि जखन कि 600 करोड़ क लागत वाला पटना-बख्तियारपुर एनएच क काज बीए सी एंड सी करि रहल अछि। इ सड़क मार्च, 2014 तक बनत।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

नहि रहलाह रामानंद रेणु : साहित्य गगनक एकटा आर नक्षत्रक अस्त

Esamaad Epaper Website

बिहार मे लागू भेल 'लोक सेवा अधिकार'

नेपाल क सामने फेर राजनीतिक गतिरोध

Comments 1

  1. Anand kumar jha says:
    12 years ago

    rajaya marga vadhala rajya ke vikas nik vaya sakait aichi..

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि