बिहार मे 6 करोड़ मोबाइल उपभोक्ता
अनिता अनत
पटना : प्रगति पथ पर बढ़ैत बिहार क कईटा रंग अछि। किछु चिन्हल-जानल अछि त किछु विकास क नव पैमाना दिस इशारा करैत अछि। इ रंग एतबा चटक आ शोख अछि जे देश-दुनिया मे एहि पर पुरजोर चर्चा भ रहल अछि। धान आ आलू क उत्पादन मे बिहार पहिने कीर्तिमान बना चुकल अछि। आब राज्य क खुशहाली क सूचकांक संचार माध्यम पर सेहो देखल जा सकैत अछि। बिहार देश क ओहि पांचटा शीर्ष राज्य मे शामिल भ गेल अछि जाहि ठाम सबस बेसी मोबाइल सब्सक्राइबर छथि। टेलीकॉम रेग्यूलेटरी अथॉरिटी आॅफ इंडिया (ट्राई) दिस स जारी आंकड़ा मे कहल गेल अछि जे फरवरी, 2013 तक बिहार मे 6.073 करोड़ मोबाइल उपभोक्ता छथि। ओतहि, उत्तर प्रदेश 12.16 करोड़ उपभोक्ता क संग पहिल स्थान पर अछि। तहिना, तमिलनाडु ( 7.18 करोड़), महाराष्टÑ (6.77 करोड़) आ आंध्रप्रदेश ( 6.41 करोड़) उपभोक्ता क संग क्रमश: तेसर, चारिम आ पांचम स्थान पर अछि। एहि पांचटा राज्य मे 36.6 करोड़ मोबाइल उपभोक्ता छथि, जे देश क कुल उपभोक्ता क 45 फीसदी अछि। मोबाइल उपभोक्ता क संख्या क दृष्टि स मोबाइल उपभोक्ता क संख्या क दृष्टि स गुजरात बिहार स काफी पाछु अछि। 5.12 करोड़ मोबाइल उपभोक्ता क संग गुजरात आठम स्थान पर अछि। सूची मे सबस पाछु राजस्थान अछि, जतए कुल 4.78 करोड़ मोबाइल यूजर अछि। कर्नाटक क छठम आ मध्यप्रदेश क सातम स्थान अछि। आंकड़ा क अनुसार पूरा देश मे कुल 86.16 करोड़ मोबाइल सब्सक्राइबर अछि। हालांकि इ संख्या जनवरी, 2013 मे जारी आंकडा 86.26 स 0.11 फीसदी कम अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa