पटना। जंगलराज क खात्मा क संगहि बिहार मे विधायक क बेतमलब ‘शान’ कए घटेबाक कोशिश शुरू भ गेल अछि। गृह विभाग क कहब अछि जे राज्य मे कानून व्यवस्था क एहन स्थिति आब नहि अछि जे कोनो विधायक क संग चलनिहार सुरक्षाकर्मी लग एके 47 सन पैघ हथियार देल जाए। विभाग क अनुसार सुरक्षाकर्मी कार क खुलल शीशा स रायफल क नोक बाहर निकालने रहैत अछि। एहि सब स आम जनता डरायल रहैत अछि। बिहार सरकार क सख्ती क बाद ओना एहि चलन पर अंकुश लागल अछि मुदा बंद नहि भेल अछि। सरकार क कहब अछि जे हथियार आवंटित करबाक उद्देश्य जनप्रतिनिधि क सुरक्षा छल, मुदा आब इ जनता में खौफ पैदा करि रहल अछि। लिहाजा सुरक्षा स आब एहि हथियार क कोनो जरूरत नहि। गौरतलब अछि जे अंगरक्षक आवंटित करायब सियासी दलान पर ओहदा क रूप मे देखल जाइत रहल अछि। एकके 47, इनसास आ एसएलआर सन हथियार एखन धरि जनप्रतिनिधि क अंगरक्षक कए भेटैत रहल अछि। आब एहि हथियार कए हटेबाक फैसला लेल गेल अछि आ एकर स्थान पर रिवाल्वर, पिस्तौल आ कारबाइन सन हथियार अंगरक्षक कए देल जाएत। पुलिस मुख्यालय एहि संबंध मे तमाम पुलिस अधीक्षक कए आदेश जारी क विधायक आ विधान परिषद सदस्य क अंगरक्षक कए आवंटित पैघ हथियार कए जिला शस्त्रागार मे जमा करेबा लेल कहलक अछि। सरकारक निर्देशक बाद मुजफ्फरपुर जिला क साहेबगंज क्षेत्र स विधायक राजकुमार सिंह क सुरक्षा स एकके 47 रायफल कए हटा लेबाक सूचना अछि। कुढऩी क विधायक मनोज कुशवाहा क अंगरक्षक सेहो पैघ हथियार जमा करि छोट ल लेलक अछि। बाकी विधायक क अगरक्षक सब कए नोटिस पठा देल गेल अछि। सरकारक एहि आदेश स किछु विधायक मे रोष सेहो अछि। हुनकर कहब अछि जे एहि स जनप्रतिनिधि क सुरक्षा कए खतरा बढि सकैत अछि।
Ghatal Vidhayak’k “SHAN”:: Badhal Jantak’k “MAAN”…….. Ehe t chhi nabka BIHAR’k “PAHCHAN”