• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे फेर निवेश करत डालमिया परिवार

April 25, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । डालमिया परिवार कए बिहार संग पुरान संबंध रहल अछि। इ अलग गप अछि जे पिछला किछु साल स एहि परिवारक बिहार स संबंध केवल भावनात्‍मक रही गेल छल। मुदा डालमिया परिवार एक बेर फेर बिहार मे पैघ निवेश करबा लेल तैयार अछि। बिजली क कमी स जूझ रहल बिहार कए रोशन करबा लेल डालमिया पावर राज्य क बांका जिला मे 1,320 मेगावॉट क ताप विद्युत संयंत्र क निर्माण क प्रस्ताव रखलक अछि। एहि मे कंपनी करीब 8,000 करोड़ टका क निवेश करबाक योजना बनेलक अछि। एकर अलावा, कईटा दोसर कंपनी सेहो राज्य मे मोटगर निवेश करबा लेल तैयार भ गेल अछि। आधिकारिक सूत्र क कहब अछि जे राज्य मे बिजली क्षेत्र मे टका लगौनिहारक आब कतई कमी नहि अछि। साल क पहिल 3 मास मे बिहार मे बिजली क क्षेत्र मे निवेशक करीब 40 हजार करोड़ स बेसीक निवेश करबाक इच्छा जता चुकलथि अछि।
राज्य सरकार क उद्योग विभाग क प्रधान सचिव सीके मिश्रा सेहो एहि दावाक पुष्टि करैत कहला जे राज्य मे बिजली उत्पादन क मामला मे काफी निवेशक आगू आबि रहल छथि। एखन धरि एहि क्षेत्र मे करीब 1.45 लाख करोड़ टकाक निवेश क प्रस्ताव भेट चुकल अछि। संगहि, कईटा नव निवेशक सेहो एहि मामला मे सरकार स लगातार संपर्क मे छथि।
बिजली क्षेत्र मे आयल एहन निवेशक पाछु जानकारक कहब अछि जे राज्‍य सरकार एहि क्षेत्र मे निवेश लेल काफी कुछ करि रहल अछि। राज्‍यक नव औद्योगिक नीति क तहत राज्य मे निवेश करनिहार कए भारी मात्रा मे सब्सिडी देल जा रहल अछि। ओतहि कानून व्यवस्था क मामला मे सेहो राज्‍य मे प्रगति लोक देख रहल अछि।’
बिहार क उद्योग विभाग क दस्तावेज क मुताबिक साल क पहिल तीन मास मे 40,212 करोड़ क निवेश प्रस्ताव राज्य सरकार कए भेटल अछि। एहि मे स सबस पैघ प्रस्ताव दिल्ली क एकटा कंपनी इरा इन्फ्रा इंजीनियरिंग स भेटल अछि, जे राज्य क नवादा आ भागलपुर जिला मे 2,640 आओर 1,320 मेगावॉट क बिजलीघर क निर्माण क प्रस्ताव राज्य सरकार कए सामने पेश केलक अछि। एहि परियोजना मे कंपनी राज्य मे 22 हजार करोड़ क निवेश क प्रस्ताव रखलक अछि।
राज्य मे बिजली क क्षेत्र मे निवेश करनिहार एकटा कंपनी क अधिकारी कहला जे, ‘राज्य सरकार पिछला किछु साल मे कानून व्यवस्था आ बुनियादी ढांचाक मामला मे जबरदस्त काज केलक अछि। सड़क क मामला मे काफी काज भेल अछि। ताहि स हमरा सब कए अपन कच्‍चा माल कए अनबा आ ल जेबा मे काफी आसानी भ गेल अछि। राज्य मे बिजली क काफी जरूरत छैक, जे हमारा सबहक कारोबार लेल एकटा शुभ संकेत अछि’।

Tags: Bihar

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार क जाम अहांक नाम

बिहार मे भेल देशक पहिल कृषि कैबिनेट, बनेलक 14टा समिति

Esamaad Epaper Website

बदलि गेल किछु फाइलक चेहरा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि