• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

March 11, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

मुजफ्फरपुर। एकटा जमाना छल जहिया बिहार मे विश्वस्तरीय मकान बनैत छल। भारतक पहिल भूकंपरोधि मकान सेहो 1934 मे बिहार मे बनल छल। बिहार एक बेर फेर विकासक पथ पर अछि आ कानून व्यवस्था ठीक भेला स लोक दिल्ली मुंबई क बदला मे बिहार मे खूब निवेश कए रहल अछि। पिछला 15-20 साल स बिहारक लोक जिनका लग टका छल राज्य स बाहर महल बना रहल छलाह, मुदा आब राज्य स बाहर जेबाक मजबूरी खत्म भ रहल अछि। पटना मे रियल स्टेटक दाम बढल दिल्ली क बिल्डर क माथ पर पसीना आबि गेल, हंगामा भेल जे भ्रष्टाचारक टका नोएडा, गाजीयाबाद क बदला मे पटना मे किया लागि रहल अछि। पिछला साल तक शॉपिंग मॉल विहीन बिहार कए आब अतिआधुनिक बाजारक संग-संग आधुनिक सुख सुविधा स सुसज्जित मकान सेहो देखबा लेल भेट रहल छैक। लीची क लेल मशहूर मुजफ्फरपुर मे बनल रघुवीर सिंह क आलीशान मकान अपना आप मे असगर अछि आ केवल रघुवीर सिंह नहि पूरा शहर क लेल गुमान करबा योग्य अछि। रामदयालु स्टेशन क लग मे बनि रहल इ मकान मे कईटा एहन खास गप अछि जे एकरा बिहारक खास मकान बना दैत अछि। पेशा स वकील रघुवीर सिंह क मकान कए देख पूरा शहर गर्व स गदगद अछि। सिंह आन बिहारी जेकां दिल्ली या मुंबई मे जा बंगला नहि खरीदलाह, ओ अपन डीह पर सपनाक एहन महल बनेलाह अछि जे पूरा शहर कए सपना देखबा लेल मजबूर करि देलक अछि। की नहि अछि एहि मकान मे। अमेरिकी स्टाईल मे बनल इ मकानक सबस पैघ गप इ अछि जे एकर तीनू मंजिल पर अहां कार स पहुंच सकैत छी। हर फ्लोर पर दौड़ैत कार लोक मे रोमांच पैदा करि रहल अछि।
तीन एकड़ मे बनल एहि मकान मे कुल 14टा कोठली अछि। शीशा स बनल सीढ़ी एकरा महल सन सुन्दरता प्रदान करैत अछि। स्विमिंग पुल, जिम, रैम्प, लिफ्ट, एम्पीथियेटर, ऑफिस, मीटिंग रूम, लाईब्रेरी आओर ओ सब किछु जेकर गप त एहि शहरक बहुत लोक सुनने नहि अछि। एकर फुलवारी फूल क महक स पूरा घर जीवंत भ उठैत अछि।
25 साल स अमेरिका मे रहि रहल मूल रूप स पूर्णिया जिला क मुरलीगंज निवासी अजय सिंह आब अमेरिकी नागरिक भ चुकला अछि। एहि मकान क निर्माण क संबंध मे एतबे कहला जे सब किछु रहितो एकटा मन मे दुख छल जे अपन माटी लेल किछु नहि कए सकलहुं। मकान त बस शुरूआत अछि।
अमेरिका मे 5टा रिटेल स्टोर आ सालाना एक हजार मिलियन डॉलर क मालिक 47 वर्षीय अजय सिंह कहला जे ओ सिविल इंजीनियरिंग क पढ़ाई केने छथि। फेर पायलट क ट्रेनिंग लेबा लेल अमेरिका चलि गेलाह आ ओहि ठाम एमबीए केलथि। अपन कारोबार शुरू केलथि आ 25 साल कोनो गुजरि गेल पता नहि चलल। ओ कहला जे बिहार लेल बहुत किछु करबाक अछिए। सबस पहिने हम मुजफ्फरपुर मे एकटा इंजीनियरिंग कॉलेज खोलबा क योजना बना रहल छी। बस एकटा ख्वाहिश अछि जे लीची क लेल प्रसिद्ध मुजफ्फरपुर आब विकसित शहर भ जाए।

Tags: Biharmuzaffarpur
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार फेर केलक कमाल

Esamaad Epaper Website

26 नवम्बर मद्य निषेध दिवस घोषित

Esamaad Epaper Website

20,000 किमी सड़क बनल, 30,000 बनि रहल अछि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कियो नहि उठेलक मिथिलाक विकासक नैतिक दायित्व

by संपादक
March 27, 2017
0

Read more

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि