• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home खेल

बिहार मे विलियम्स बहिनक अछि लंबा कतार

May 22, 2011
in खेल, समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय प्रतियोगिता मे परचम लहरा रहल छथि बिहारक कईटा सहोदर बहिन
पटना।
दुनियाभरि मे सहोदर बहिनक रूप मे नाम रौशन करनिहारि टेनिस स्टार सेरेना विलियम्स आ वीनस विलियम्स क भांति बिहार मे सेहो कईटा सहोदर बहिन खेल मे अपन परचम लहरा रहल अछि। अंतरराष्ट्रीय आ राष्ट्रीय प्रतियोगिता मे मुजफ्फरपुर क सहोदर बहिन बिहार आ भारतक प्रतिनिधित्व करि रहल छथि। एहि मे स कियो राज्य चैंपियन त कियो जिला चैंपियन सेहो छथि। ज्ञात हुए जे गन्नीपुर निवासी प्रवीण कुमार चौधरी क बेटी प्रज्ञा आ प्रेरणा फुटबॉल क मैदान मे परचम लहरा रहल छथि। प्रेरणा श्रीलंका आ जॉर्डन मे आयोजित अंतरराष्ट्रीय फुटबॉल प्रतियोगिता मे भारतीय टीम क प्रतिनिधित्व करि चुकल छथि। ओतहि, प्रज्ञा अंडर 19 नेशनल टीम मे राज्य क प्रतिनिधित्व करि चुकल छथि। बालूघाट निवासी अशोक कुमार क पुत्री नेहा-कोमल सेहो राष्ट्रीय स्तर पर परचम लहरा रहल छथि। नेहा स्कूल नेशनल स लकए अंडर 10 नेशनल खेल चुकल छथि, जखनकि कोमल हुनका स एक डेग आगू छथि। 2008 मे हुनकर चयन अंतरराष्ट्रीय प्रतियोगिता क लेल भारतीय टीम मे भेल छल, मुदा पासपोर्ट समय पर नहि बनबाक कारण ओ जेबा स वंचित रहि गेलीह। रामचंद्र प्रसाद क बेटी आस्था-श्वेता राष्ट्रीय फुटबाल प्रतियोगिता मे बिहार टीम क प्रतिनिधित्व करि चुकल छथि। अमरूद बगान निवासी अमर कुमार श्रेष्ठ क बेटी निशा-नम्रता वालीबाल मे प्रतिभा देखा रहल छथि। नम्रता स्कूल आ सीनियर नेशनल मे बिहार टीम क प्रतिनिधित्व केलथि अछि, जखनकि निशा अंतर विवि प्रतियोगिता मे बिहार विवि आ राज्य सीनियर प्रतियोगिता मे जिला टीम क प्रतिनिधित्व केलथि अछि। अमरूद बगान निवासी शमशेर बहादुर क पुत्री आरती आ संध्या वालीबाल क मैदान मे बाजी मारि रहल छथि। आरती जतए राष्ट्रीय सीनियर, अंतर विवि आ स्कूल नेशनल मे भाग ल चुकल छथि ओतही संध्या स्कूल क संग-संग सीनियर वॉलीबाल प्रतियोगिता मे जिला टीम क प्रतिनिधित्व केलथि अछि। रवि रंजन श्रीवास्तव क बेटी मनाली-सोनाली सात बेर राष्ट्रीय प्रतियोगिता मे बिहार क प्रतिनिधित्व केलथि अछि। वुशू क राष्ट्रीय प्रशिक्षक दिनेश मिश्रा क बेटी ईशा आ अपराजिता जिला स्तर स राष्ट्रीय स्तर पर स्वर्णिम सफलता हासिल केलथि अछि। ईशा न सिर्फ बिहार क सबस कम उम्र क ब्लैक बेल्ट छथि बल्कि राष्ट्रीय प्रतियोगिता मे दूटा स्वर्ण, तीनटा रजत आ एकटा कांस्य पदक सेहो जीत चुकल छथि। हुनकर छोटकी बहिन अपराजिता सेहो जिला प्रतियोगिता मे स्वर्ण पदक जीत चुकल छथि। जवाहर लाल रोड निवासी पवन कुमार क तीनू बेटी बेटी सुप्रिया-पल्लवी आ श्रेया अपप परचम वुशू मे लहरा रहल छथि। सुप्रिया चारि बेर क नेशनल गोल्ड मेडलिस्ट छथि, जखनकि पल्लवी नेशनल मे कांस्य जीत चुकल छथि। श्रेया पिछला वर्ष क जिला प्रतियोगिता मे रजत पदक जीत चुकल छथि। ओतहि, कबड्डी मे सोनू आ लक्ष्मी, कैरम मे रिंकी आ रश्मि सगी बहिन भ मैदान मे बाजी मारि रहलछथि।

Tags: Biharबिहारमुजफ्फरपुरविलियम्स
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

मधुबनी मे भीषण हादसा, 16 गोटे क मौत

Esamaad Epaper Website

साहू पोखर मे भेटत बोटिंग क मजा

Esamaad Epaper Website

सतरंगी लाइट-म्यूजिक स सजतीह गंगा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि