• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहार विकासक कंजी नुकायल अछि रेणुक “गाम” मे

March 4, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021


नई दिल्ली। आइ बिहार कए रेणुक सबस बेसी जरूरत अछि। रेणु जाहि प्रकार स बिहारक ग्रामीण छवि दुनिया कए देखेबाक कोशिश केलथि, ओहन कोशिश हुनका स पहिने बा बाद मे कियोनहि करि सकल। प्रेमचंद सेहो भारतीय ग्रामीण जीवनक जीवंत चित्रण अपन रचना मे केलथि। मुदा प्रेमचंद आ रेणुक गाम मे अंतर अछि। प्रेमचंद क गाम मे व्यवस्थाक आगू निराश व्यक्ति अछि, जखन कि रेणुक गाम मे समस्याक बीच छोट-छोट घटना कए उत्सव बनबैत समाज अछि। नोरायल आंखि मे जे हंसीक झलक रेणुक गाम मे देखबा मे अबैत अछि, ओ प्रेमचंदक गाम मे नहि भेटैत अछि। ‘हिरामनÓ कए देखबाक प्रयास नहि भ रहल अछि, चोरबत्ति पर उत्सव मे शामिल हेबाक कोशिश नहि भ रहल अछि। आइ प्रेमचंद क आंखि स रेणुक गाम देखबाक जबरण कोशिश भ रहल अछि।
एहि कारण स आइ-काल्हि साहित्य दलित विमर्श, स्त्री विमर्श आदि तक सिमटी कए रहि गेल अछि। आधुनिक साहित्य मे रचनात्मकता क अभाव अछि। आंचलिकता त करीब-करीब खत्म भ चुकल अछि। रेणु एहि सबस परे तत्कालीन राजनीतिक स्थिरता आ सामाजिक मूल्यहीनता कए देखेबाक कोशिश केलथि। जातीय संघर्ष, अवैध संबंध आदि कए उजागर केलथि, जे प्रेमचंद स अलग छल। दुबे कहला जे रेणु साहित्य मे पहिल बेर अपन लेखन क माध्यम स हिंदी मे स्थानीय बोली क इस्तेमाल केलथि।
आइ बिहार कए ल कए इ सवाल बेर-बेर कैल जा रहल अछि जे आखिर एतबा कष्टïक बावजूद बिहारी क हंसी कोना बचल अछि, बिहारी कोना निराशाक दल-दल मे रहितो जीवन स प्रेम करैत छथि।
आंचलिक लेखन क माध्यम स हिंदी साहित्य क दुनिया मे क्रांति अननिहार महान लेखक फणीश्वर नाथ रेणु एहने प्रशन उत्तर अपन लेखन क जरिए अपन पाठक कए दैत छलाह आ एकटा नव परिवेश स परिचित करबैत छलाह। हिन्दी साहित्य जगत मे मैला आंचल आ परती परिकथा सन उपन्यास क माध्यम स रेणु कए आंचलिक उपन्यासकार क दर्जा भेटल। हिंदी साहित्य मे पहिल बेर आंचलिक लेखन क प्रयोग ओ केलथि। रेणु क इ उपन्यास कलम क सिपाही मुंशी प्रेमचंद क गोदान क बाद सर्वाधिक पसंद कैल गेल।

आइ बिहार आ अन्य प्रदेशक सामाजिक दशा देखि कए इ सवाल गंभीर भेल जा रहल अछि जे
प्रेमचंद आ रेणु क गाम मे केहन अंतर अछि। दूनूक रचना मे अंतर पूछला पर जामिया के हिंदी विभाग के वरिष्ठ प्राध्यापक चंद्रदेव यादव और विवेक दुबे कहला जे दूनू अपन-अपन समय क महान साहित्यकार छथि। दूनू क लेखन मे बहुत अंतर अछि। प्रेमचंद क लेखन व्यक्ति विशेष क इर्द-गिर्द घूमैत अछि, जखन कि रेणु क लेखन पूरा समाज क चित्रण करैत अछि।
दुबे कहैत छथि जे रेणु क लेखन मे पात्र क प्रति लेखक क आत्मीयता क बोध होइत अछि। ओ एक-एकटा पात्र क जीवंत चित्रण केलथि अछि। ओ तत्कालीन ग्रामीण संस्कति क यथार्थ कए सामने अनलाह। मैला आंचल गोदान क अगिला चरण अछि।
पत्रकार भवेशनाथ झा एकरा अलग रूप मे देखैत छथि। ओ कहला जे जीवन क राग कए रेणु वास्तविक रूप मे देखौलथि। लेखन मे जाहि प्रकार स ओ लोक संस्कति आ लोक रंग क समावेश केेलथि ओहि स हुनकर कथा काल्पनिक नहि लगैत अछि। इ एकटा सजीव चित्रण लगैत अछि। आइ सेहो रचना भ रहल अछि, सिनेमा बनि रहल अछि, मुदा ओहि मे बिहार क गाम नहि भेटैत अछि। हिरामन सन बिहारी क जगह बच्चू यादव कए चित्रण भ रहल अछि। जीवनक जीवंतता जे रेणुक रचना मे छल ओ ‘अगले जनम मोह बेटी…Ó मे कहां भेटैत अछि। ऑनर कीलिंग पर हंगामा हरियाणा आ राजस्थान मे भ रहल अछि आ सिनेमा बिहारक पृष्टïभूमि पर बनाउल जा रहल अछि। रेणुक गाम कए गलत रूप मे चित्रण भ रहल अछि जखन कि रेणुक गाम एखनो ओहिना अछि किछु नहि बदलल अछि।

ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

रेणु क जयंती पर राजकीय समारोह

महादलित क बाद मुस्लिम पर डोरा

हम छी संग-संग

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि