• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बीज परीक्षण लेल नहि भेटल बिहार क जमीन

March 10, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

शरद पवार आ बहुराष्ट्रीय बीज कंपनी मोंसैंटो कए लागल धक्का
पटना। आखिरकार बिहार जीत गेल। शरद पवार लाख कोशिशक बावजूद बिहार क जमीन बीटी मक्का क परीक्षण लेल नहि देल गेल। ओना त एहि परीक्षण लेल बिहार संग तीनटा आओर राज्यक चुनाव भेल छल, मुदा बिहार पहिल एहन राज्य बनि गेल अछि, जतए बीटी फसल क व्यावसायीकरण पर रोक लगा देल गेल अछि। केंद्रीय पर्यावरण मंत्री जयराम रमेश एहि संबंध मे राज्य सरकार कए सूचित करि देलथि अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आइ विधानसभा मे एकर जानकारी दैत कहला जे बिहार मे दोसर हरित क्रांतिक शुरुआत भ रहल अछि, एहन मे हम अपन जमीन पर एहि प्रकारक प्रयोग क अनुमति नहि द सकैत छी। गौर करि जे शरद पवार एहि लेल नीतीश कुमार पर लगातार दबाव बनेने छलाह, जखन कि एहि प्रयोग लेल शरद पवार अपन राज्यक एक धूर जमीन देबा लेल तैयार नहि छलाह।
बिहारक किसान शुरू स एहि प्रस्तावक विरोध करि रहल छल। बहुराष्ट्रीय बीज कंपनी मोंसैंटो कए बिहारक एहि फैसला स पैघ धक्का लागल अछि। किसानक साफ कहब छल जे ओ अपन उपजाउ जमीन पर मोंसैंटो कए बीज क परीक्षण नहि करए देताह। किसान कए एहि बीज परीक्षक प्रति एकटा गैर सरकारी संगठन ‘तारा फाउन्डेशन’ जागरूक केने छल। ओकर ‘जीएम मुक्त बिहार अभियान’ किसानक बीच काफी असरदार रहल।
राज्य किसान आयोग क अध्यक्ष आ पूर्व केंद्रीय मंत्री उपेंद्र नाथ वर्मा क अनुसार केंद्र सरकार क जेनेटिक इंजीनियरिंग एप्राइजल कमेटी मोंसैंटो कए देश मे सात ठाम अपन बीज क फिल्ड ट्रायल क अनुमति देने छल, जाहि मे बिहार क दूटा जिला बेगूसराय आ भागलपुर छल। ज्ञात हुए जे एहि स पूर्व देश मे प्रथम जीएम खाद्य फसल क रूप मे बीटी बैंगन क मंजूरी केंद्र सरकार द्वारा देल गेल छल, जेकरा पर विरोध भेलाक बाद रोक लगा देल गेल।
एहि संबंध मे जानकारक कहब अछि जे नियमक अनुसार एहन कोनो प्रयोग लेल केंद्र सरकार तखन धरि अनुमति नहि द सकैत अछि जखन धरि राज्य सरकार एहि लेल तैयार नहि हुए। बिहार सरकार एहि लेल शुरू स तैयार नहि छल, बाद मे किसानक इच्छा कए देखलाक बाद राज्य सरकार अपन स्थिति साफ करि देलक।
सवाल अछि जे बिहारक जमीन एहन परीक्षण लेल कोना देल जा सकैत अछि जाहि लेल जर्मनी आ फ्रांस सन विकसित राष्ट्र तैयार नहि भेल छल, दोसर जे शरद पवार एहि लेल बिहार पर जोर लगा रहल छलाह, मुदा अपन राज्य मे एकर परीक्षण क मांग ठुकरा देने छलाह।
‘जी.एम. मुक्त बिहार अभियान’ क संयोजक आ ‘जी.एम. फ्री इंडिया गठबंधन’ क सदस्य पंकज भूषण कहला जे खाद्य सुरक्षा, किसान हित, पर्यावरण सुरक्षा आ बिहार क किसान क हित कए ध्यान मे रखैत कोनो हालत मे मोंसैंटो या कोनो अन्य कंपनी कए बी.टी. मक्का या कोनो आओर जी.एम. बीज क फिल्ड ट्रायल क अनुमति नहि दैल जा सकैत अछि। बिहार सरकार बी.टी. बैगन कए राज्य मे प्रतिबंधित करि एकटा मिसाल कायम केलक अछि। भारतीय किसान यूनियन क बिहार राज्य क प्रांतीय अध्यक्ष रामानुज सिंह क अनुसार मोंसैंटो जइसन अमेरिकी कंपनी आइ बीज पर अपन अधिकार जमेबा लेल एहन काज क रहल अछि, एहन बीज एलाक बाद परंपरागत बीज स्वतः लुप्त भ जाएत आ एहि कंपनीक अधिपत्य भ जाएत, किया कि एहन बीज स पुनः बीज पैदा नहि भ सकैत अछि। संगहि एहन बीज क फसल मानव शरीर क लेल मीठ जहर क सामान अछि। अतः बिहार सरकार क इ फैसला स्वागत योग्य अछि।
बिहार क कृषि मंत्री नरेन्द्र सिंह क कहब अछि जे राज्य मे किसान कए जैविक खेती पर ध्यान देबा लेल हम सब प्रयासरत छी, एहन मे बीज परीक्षण लेल जमीन देबाक सवाल कहां उठैत अछि, हम त किसान स जहरीला रासायनिक खाद क सेहो परित्याग करबा लेल कही रहल छी।

Tags: Biharमोंसैंटो

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

सफल साबित भ रहल अछि एकटा मुहिम

Esamaad Epaper Website

मुख्यमंत्री खाद्य सुरक्षा योजना कए मंजूरी

Esamaad Epaper Website

मंजूर भेल सेवा क अधिकार विधेयक क प्रारूप

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि